Search

लालू पर सुशील मोदीक गंभीर आरोपः चुनाव आयोग सँ सम्पत्ति नुकेलनि लालू

335 भ्यूज

समाचार साभारः न्युज १८ आनलाइन

बिहार बीजेपी नेता सुशील मोदी द्वारा राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव आर हुनक परिवार पर संपत्ति नुकेबाक आरोप लगबैत सोशल मीडिया केर माध्यम सँ कतेको रास सवाल पूछल गेल अछि. सुशील मोदी केर फेसबुक पर जारी एक पोस्ट मे प्रश्नक कतार लागल अछि, जाहिमे ओ ईहो पूछलनि अछि जे कि एहि खातिर नोटबंदीक विरोध कय रहल छलहुँ.

लालू यादव सँ सवाल पूछैत सुशील मोदी लिखलनि, ‘लालू परिवार द्वारा चुनाव आयोग आर बिहार सरकार केँ देल गेल अपन संपत्तिक ब्यौरा मे कतहु एहि मॉल केर जमीनक उल्लेख नहि करब चुनाव आयोग तथा सरकार सँ अपनी संपत्ति केँ नुका लेलनि अछि.’

राजधानी पटना मे बनि रहल राज्यक सबसँ बड़का मॉल ताहि समय विवादक घेरा मे आबि गेल छल, जखन एक वेबसाइट मे मॉल निर्माण केँ लय केँ छापल गेल खबैर केर बाद विपक्ष द्वारा एकरा बड़का मुद्दा बनाओल गेल.

Related Articles