पत्रकार महतो कएलैन्ह बर्दिबासके मुसहरबस्तीमे आर्थिक सहयोग

235

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।५अप्रील २०१७,मैथिली जिन्दावाद!!

       महोत्तरीक बर्दिबासमे रहल मुसहर सभक बस्तीमे नयाँ भवन निर्माणक लेल धनुषाक पत्रकार एवं उज्यालो ऑनलाइनक सहकर्मीमे रुपमे कार्यरत शैलेन्द्र महतो २० हजारके आर्थिक सहयोग कएलैन्ह अछि।

    धुर्मुस सुन्तली फाउन्डेसन द्वारा संचालित एकीकृत नमुना मुसहर बस्ती केर अभियन्ता एवं नेपालक चर्चित हास्य कलाकार सीताराम कट्टेलके बुध दिन हस्तान्तरण कएलाह। बर्दिबास नमुना बस्ती निर्माण होएब पुर्व रिपोर्टिंग क्रममे  ओतुका मुसहर सभक अवस्था देखि सहयोग करबाक भावना जागल महतो बतोलैंह।

ज्ञातव्य जे किछुए महिना पहिने मुसहर बस्तीके शिलान्यास कार्यक्रम पहुँचल महतो २० हजार रुपैयाँ सहयोग करबाक घोषणा केने रहैथ ।