Search

३० हजार टकाक सहित धनुषा नापी अफिस केर अमिन पक्राएल

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।२,अप्रील२०१७.मैथिली जिन्दावाद!!

नापी कार्यालय धनुषाक अमिन ३० हजार टका सहित पक्राउ परल अछि।नेपाल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग केर क्षेत्रीय कार्यालय बर्दिबासक टोली दुपहरियामे अमिन कृष्ण जोशीके  ३० हजार नेपाली टका सहित पक्राउ कएने अछि।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक क्षेत्रीय कार्यालय बर्दिबास केर एसपी राजकुमार लम्साल सहिताके टोली जोशीके पक्रने छल। एसपी लम्साल केर अनुसार जोशी एक गोटे सेवाग्राहीक संग जग्गाक कित्ताकाट नामसारी क’ देबाक कहिँ ३० हजार घुस लैतकाल अपनासभ हुनका पक्रने बतोलैन्ह अछि।

Related Articles