अशोक कुमार सहनी, दोहा। मार्च २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
चैत ९ गते, नेपाल सद्भावना पार्टीक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो मधेसीकेँ छोडिकय सरकार निर्वाचनमे गेल तँ रक्तपात होयबाक बात कहलनि अछि।
मंगलदिन रफत सञ्चार क्लबमे भेल साक्षात्कार कार्यक्रममे बजैत ओे मधेसकेर माँगकेँ नकारिकय नेपाल सरकार आ पैघ राजनीतिक दल जँ निर्वाचनमे अगाडि बढल तँ मधेसमे सुरु होबयवला आन्दोलनसँ रक्तपात केँ आमंत्रित करबाक संभावना बनत ओ बतौलनि अछि ।
संविधान संशोधन नै कऽ निर्वाचनमे गेल या सीमाङ्कन केर समस्या बिना समाधान कएने संविधान संशोधन करऽ चाहत तँ मधेसवादी दलकेँ ओ मान्य नहि होयत हुनकर कहब छल ।
मधेसमे दुइ प्रदेश देबाक सहमति भेलाक बादो ओकरा कार्यान्वयनमे नहि आनि पैघ दल सभ राजनीतिक बेइमानी कएने बतबति ओे एखन सीमाङ्कने मधेसी मोर्चाक पहिल एजेन्डा भेलाक कारण ओहि एजेन्डाकेँ छोड़बाक सवाले नहि होएत छैक, महतो कहलनि। पैघ दलसभ मधेस आ मधेसी संग धोखा देबाक बाहेक दोसर किछ नहि कयलक, संविधान संशोधन बिना निर्वाचन करबाक आँट ककरो नै अछि हुनक कहब छल ।
महतो कांग्रेस, एमाले आ माओवादीके बेइमानीके कारण संविधान संशोधन होबऽ नै सकल कहति संशोधन बिना स्थानिय तहके निर्वाचन कएलक तँ राजनीतिक संकट आबि सकैत अछि । केन्द्रियकृत शासन ब्यवस्थासँ मधेस आ मधेसी जनतासभ कहियो अधिकार प्राप्त करऽ नै सकल कहैत ओे अपने सभ मधेसमे समानान्तर सरकार चलाबय लेल सेहो बाध्य होयबाक अवस्था बनबाक बात पर प्रकाश देलनि ।
मधेसकेर गंभीर समस्याकेँ प्रमुख दल सब सामान्य रुपमे लेलाक बादो समाधान दिशि गंभीरता नहि देखेबाक भूल कहि मधेस बिनाके देश एको मिनट नहि चलि सकबाक बात कहैत मधेसकेँ बाईपास कय केँ निर्वाचन कर खोज्लक तँ देशेके लेल दुर्भाग्य सावित होएवाक आ नेपालीउपर राष्ट्रघात होबके हुनक जिकिर छल ।
एमालेके अहंकार आ सरकारकेर मधेस प्रति विभेदपूर्ण दृष्टिकोणक कारण सप्तरी घटना घटल आरोप लगबैत जेहो न सेहो बातमे भारतकेँ गारि देबयवला केपी ओली प्रवृति आ झूठा राष्ट्रवादक कारण आर्थिक समृद्धि आ देश केँ विकासक बाटपर बढेबाक कल्पना करब ब्यर्थ थिक ओ टिप्पणी कएलनि ।
बितल तीन दसकसँ अपनेसभ मधेसमे नागरिकताक बिषय उठबैत अएलासँ अपनासभकेँ भारतीय नागरिक कहि हल्ला चलाकय जनतामे भ्रम फैलेबाक चर्चा करैत महतो कहलैन जे मधेसीसभ मधेसेके धरतीपुत्र थिक आर विगतमे बेर-बेर सरकारमे गेलाकबादो सिंहदरबारकेर चारि किल्लासँ मधेसकेँ अधिकार नहि देबाक नियति रहलाक कारण मधेसी मंत्री सब बस नामहि केर मंत्री भेल, काज किछुओ नहि कय सकल ओे प्रतिक्रिया देलनि ।