राजविराज घटना मे शहीद लेल श्रद्धाञ्जली सभाः हेल्प मधेशी कतार

हेल्प मधेशी कतारद्वारा दोहामे श्रद्धाञ्जली सभा सम्पन्न
 
विन्देश्वर ठाकुर, दोहा/कतार, १८/३/२०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
 
१७ मार्च २०१७, शुक्र दिन हेल्प मधेशी कतार च्यापटरद्वारा दोहाक मर्खिया स्पोर्टस क्लबमे आयोजित श्रद्धाञ्जली सभा सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि। कवि विन्देश्वर ठाकुर जीक मंच संचालनमे भेल उक्त श्रद्धाञ्जली सभा इतिहासक लेल एकटा गौरवके विषय बनत। शुरुमे होलीक प्रोग्राम लेल तयारी क’ चुकल ई संस्था अपन मधेशी समांगके मृत्युक शोकमे व्याकुल भऽ अच्चानक होलीक प्रोग्राम स्थगित क’ श्रद्धाञ्जली सभाक आयोजना केलनि।
 
ज्ञातव्य अछि जे नेपालमे ने.क. पा एमाले द्वारा शुरु कएल गेल ‘मेची-महाकाली’ अभियान के बिरोधमे उतरल मधेशी मोर्चाक कार्यकर्ता तथा एमालेक कार्यकर्ता बीच घमसाघमसी भेला सँ नेपाल प्रहरीद्वारा गोली चलाओल गेल छल।इएह कारण सँ नेपाल सँ ल’ क विदेशधरि रहल मधेशी बन्धुसब शोकाकुल अछि आ एहिबेरक फगुआ सेहो नै मनौलक अछि।
 
सेवक विशेष श्री वीरेन्द्र कुमार साह जीक बिचार संग शुरु भेल शोक सभामे सब सँ पहिल चरणमे संजय दास जीक उदघोषणामे सहिदसब प्रति श्रद्धा सुमन अर्पण एवं मैनवती प्रज्वलन कएल गेल। दीप प्रज्वलन लेल क्रमश: सुरेन्द्र यादव, देबेन्द्र ठाकुर, विशेश्वर यादव, राम कल्याण महतो तथा सुरेश यादव जीक आमन्त्रण कएल गेल। ई सबगोटे दीप जरबैत नेपाल प्रहरीक गोली लागि सहादत प्राप्त केनिहार सहिदसब – पिताम्बर मण्डल, बीरेन्द्र महतो, इनर यादव, आनन्द साह आ सञ्जन मेहताक सम्मान तथा मृत आत्माके चिर शान्तिक कामना केलनि। अपन अपन उप्युक्त बिचार सेहो रखलनि। तत्पशचात् एक मिनट मौन धारण कएल गेल।
 
 
दोसर चरणमे उज्जर कपडा (बैनर) पर नेपाल सरकारद्वारा मधेश आ मधेश उपर भऽ रहल दमनके घोर भर्तसना करैत बिरोध स्वरुप हस्ताक्षर सेहो कएल गेल। उपस्थित सबगोटे हस्ताक्षर क’ अपन अपन शान्तिपूर्ण बिरोध जनौलनि।
 
कार्यक्रममे तन, मन धन सँ लगनिहार सेवक सब सर्जुग यादव, गोबिन्द झा, दिलीप जयसबाल, पवन ठाकुर, सतीश यादव, विकास साह, शिवलोचन यादव, रवीन्द्र उदासी, धनेश्वर ठाकुर, विजय दास, राम अधीन यादव, सुरेश साह, रामानन्द गुप्ता, सुरेन्द्र महतो, गिरधारी गुरमैता लगायत दोहा, सनैया, अलखोर, ओखरा, सहानिया, सुमाल आ जमेलिया लगायत कतारक विभिन्न ठाम सँ आएल तीन सय सँ बेसी मधेशी भाइबन्धु सबहक उपस्थिति रहल छल।
 
कार्यक्रममे दानपेटी सेहो राखल गेल छल। सबगोटे स्वैच्छिक रकम दान सेहो केलनि। दूर दूर सँ आएल बन्धुसबहक लेल भोजनके व्यवस्था सेहो कएल गेल छल। एहि श्रद्धाञ्जली सभाक सफलता मधेश केँ अधिकारसम्पन्न बनेबाक वास्ते संघर्षरत नेतृत्व, कार्यकर्ता आर आम जनता मे एक सकारात्मक आ मजबूत सन्देश पठेबाक रहल जे एहि संघर्ष मे सब कमौआ सपुत आन्दोलन मे अपन अंशदान कतहु रहिकय द सकैत अछि, देबाक चाही आर दैत रहल अछि।