Search

अपन मिथिला सेवा समाजक दुबई समूह द्वारा होलीपर शुभकामना

दुबई, यूएई। मार्च १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर दुबई कार्यसमूह द्वारा यैह शुक्र दिन मिथिला कs महत्वपूर्ण पाबनि होलीक पूर्व-संध्यापर अलकुज केर डुलस्को मे एकटा बैसार कएल गेल छल। संस्था कs उपाध्यक्ष:- हरिदेब शर्मा और सल्लाहकार:- मो. समिम शेख केर अगुवाई मे संस्था सँ जुड़ल आगामी योजनादि पर चर्चा कएल गेल अछि।

होलीक पूर्वसंध्यापर राखल गेल एहि कार्यक्रम मे पाबनिक महत्वपर चर्चाक संग-संग सब सदस्य नेपाल मे स्वजन्य मधेशी समुदाय पर नेपाली पूलिसक बर्बर अत्याचार विरुद्ध आक्रोश व्यक्त करैत शहीद सभक प्रति श्रद्धाञ्जलि देलनि आर घायल सभक शीघ्र स्वास्थ्यलाभक कामना सेहो कएल गेल। तहिना होली असत्य पर सत्यक जीत थिक आर रंग लगायब विजय केर प्रतीक थिक ताहि लेल सब एक-दोसरक जीवन मे होलीक सन्देश समुचित ढंग सँ प्राप्त हो ताहि शुभकामनाक संग अबीर लगाकय हर्ष-उत्साह बँटलाह। अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर सब यूनिट आ सम्पूर्ण सदस्य लोकनिक संग-संग अपन स्वदेश आ मातृभूमिक सम्पूर्ण जनमानस लेल सेहो शुभकामना सन्देश पठौलनि।

विदेश मे जाक रोजी-रोजगार कमेनाय लेकिन समाजक हित लेल अपन दुरूह-कठिन कमाइ मे सँ किछु बचत करबाक कलाक विकास केनाय एहि संस्थाक सदस्य सभक खासियत मानल जाएत अछि। उपस्थित समस्त सदस्य लोकनि एकजुट स्वर मे दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक आर एक विकसित नया मिथिला बनेबाक लेल सब युवा शक्ति केँ एकजुट बनबाक आह्वान कएलनि।

बैसार मे संस्था कs उपाध्यक्ष:- हरिदेब शर्मा सहित विभिन्न वक्ता लोकनि अपन विचार रखैत कहलैन जे दहेज कूरीति सँ हमरा लोकनिक समाज आरो गरिब, लचार, कमजोर होएत अछि, एक दहेज प्रथा सँ अपन मिथिला मे सब परेसान होएत अछि। ई कूरीति आब दानवी रूप धऽ लेलक अछि, तैँ नव मिथिला बनेबाक लेल एहि कूप्रथाक त्याग करबाक अत्यन्त जरुरी अछि। माँगरूपी दहेज नै लियौ यौ, करियौ आदर्श विवाह बेटा केँ नहि बेचियौ यौ ‍- रोकू बेटीक बर्बादी बेटिये पर अड़ल अछि एहि संसारक सृष्टि – बेटा जेकाँ बेटियो केँ पोसियौ यौ – घर घरसँ अशिक्षा हँटबियौ यौ – बेटीके एला सँ घर आँगन हँसैय – बेटिये पूतौहसँ सबहक कूल बढैय – बेटी पुतौहकेँ करै जाउ दहेजसँ आजाद – ई दहेज प्रथा सब सँ अपन मिथिला मे बहुत गरिबी बैढ रहल अछि, दहेज हँटाबु एक नया मिथिला बनाबु; यैह बात सभक जबान सँ निकलल आउर एतेक गप सप करैत अपन मिथिला केर रितिरिवाज अनुसार होलि के पाटी सेहो मनोल गेल, और अपन मिथिला सेवा समाज – नेपाल केर् १२ जना ओई बैसार मे बहुत रासे अपन मिथिला के प्रसन्सा केलक हुन्का सब के नाम- उपाध्यक्ष:- हरिदेब शर्मा सल्लाहकार:- मो. समिम शेख ,सदस्य :- पप्पु कुमार मिश्रा,राज देब यादब,सुबोच राउत,निरज राउत,मुकेश कुमार यादब,गंगाराम मण्डल ,सत्रुधन पण्डे,रुपेश मिश्रा,सरोज यादब,उमा यादब, लगायत ब्यक्ति सब अपन बिचार धरा रखने छल।

उपाध्यक्ष हरिदेव शर्मा जनतब दैत कहलैन जे उपरोक्त होली उत्सव मे अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर सम्पूर्ण परिवार केर तरफ सँ अपन पवित्र मिथिला भुमि मे रहिनियार सम्पूर्ण माता पिता, भाइ बहिन, चाचा चाची सब केँ मिथिलाक प्रसिद्ध उत्सव होलीक अवसर पर बहुत बहुत शुभकामना सेहो ज्ञापन कएल गेल अछि।

Related Articles