दोहा, कतार। मार्च १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
अपन मिथिलाक लोक विदेशी रोजगार मे रहितो मिथिलाक गाम-गाम धरि असहायक सहाय आर समाज सँ कूरीति आदि दूर करबाक लेल एकजुटता देखबैत हालहि कतार देशक राजधानी दोहा मे सेहो मार्च १० शुक्र दिन बैसार करैत दहेज समान कैन्सर सँ समाज केँ मुक्ति दियेबाक लेल संकल्प लेलक – ई समाचार अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर अध्यक्ष कैलाश यादव सउदी अरब सँ मैथिली जिन्दाबाद केँ पठौलनि अछि।
ओ कहलैन जे अपन मिथिला सेवा समाज केर शाखा सउदी अरब, मलेशिया, कुबैत, कतार आ यूएई सहित आन-आन देश मे सेहो बनि रहल अछि। अपन माटि-पानि आ संस्कार सँ प्रेम रखनिहार एहि संस्थाक नारा केँ सहर्ष हृदय लगा रहला अछि। एहि सँ पूर्व दहेज मुक्त मिथिला केर नारा पूरा करबाक लेल कुबैत, सउदी, मलेशिया लगायत अन्य-अन्य ठामक समूह द्वारा संकल्प लेल गेल छल। पैछला शुक्र दिन कतार देशक राजधानी दोहा मे कार्यरत समूह द्वारा सेहो ई संकल्प लेल गेला सँ जल्दिये यथार्थ जमीन पर दहेज विरुद्ध अभियान चलेबाक महत्वपूर्ण कार्य कएल जायत। जाहि गाम मे बिना दहेज मंगने लोक विवाह करैत अछि, संस्था ओहेन लोक केँ सम्मान पत्र दैत आम समाज मे ओकरा सबकेँ सम्मानित करैत दहेज मुक्त विवाह केँ बढाबा देबाक काज करत कैलाशजी कहलनि।
कतारदेश मे सहभागी कार्यकर्ता सब बैसार मे चर्चा करैत कहलैन जे हमरा अहाँक मिथिला मे दहेज कैन्सरो सँ बडका रोग बनि जेबाक कारण गरीब-गुरबा-भूमिहीन परिवार केँ मट्टीपलीत कय रहल अछि, बड़का सामर्थ्यवान सब द्वारा प्रसारित दहेजक वायरस सँ बर्बाद होएत अछि निर्धन आ असहाय परिवार। बेटीक विवाह मे आडंबरपूर्ण खर्च करब, देखाबा मे बड़का पंडाल आ बिजली बत्ती सब सँ सजायब, अनावश्यक बैण्ड बाजा आ डीजे साउन्ड आदिक शख मे लोकक घरक पूँजी बर्बाद होएत अछि। कर्ज लैत ओ विवाहक खर्चा पूरबैत अछि आर बेटीक विदाई कएला बाद जिनगी भैर खून-पसीनाक कमाइ स कर्जाक ब्याज चुकबैत रहैत अछि। कतेको परिवार त घोर गरीबीक दिन सँ निजात पेबाक लेल आत्महत्या तक कय लैत अछि। एहि खतरनाक चलन सँ समाज केँ मुक्त करायब बहुत जरुरी अछि।
उपरोक्त बैसार मे मुख्य सहभागी सब मे विजय ठाकुर, कैलाश कु० महतो, गोविन्द महरा, भरत चौ० यादव, बरुण चौधरी, घनश्याम महरा, अयोधी महतो, रामईश्वर यादव, घुरन साफी तथा अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल परिवारक अन्य सदस्य सब छलाह।