Search

नहि रहलाह सदरे आलम, मिथिला राज्य आन्दोलनक कर्मठ नेता छलाह

318 भ्यूज

दरभंगा, मार्च ७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खान केर काल्हि ६ मार्च संध्याकाल दुखद निधन भऽ गेलनि। प्राप्त समाचार अनुसार अपन मूल ग्राम रामपूरा मे छलाह आर संध्याक समय तबियत खराब भेलापर परिवारक लोक दरभंगाक कोनो निजी क्लिनीक मे भर्ती करेलकनि, ओतय हृदय गति रुकि जेबाक कारण हुनकर मृत्यु होयबाक दुखद खबैर देल गेल।

अकचके मे मृत्युक समाचार सँ चारूकात इलाकाक लोक बीच शोकक लहैर पसैर गेल। सोशल मीडिया सँ मिथिलावादी अभियंता लोकनि सेहो छुब्ध होएत एहि दुःखक खबैर आ शोक-संवेदनाक समाचार शेयर करैत देखेलाह। सदरे आलम खान समान लोकप्रिय आ मातृभूमि मिथिला लेल अलग राज्यक दर्जा हेतु संघर्ष मे अग्रपंक्ति मे रहबाक कारण समूचा मिथिला आन्दोलन लेल ई अपूरणीय क्षति भेल अछि।

दिल्ली स्थित प्रसिद्ध सारस अस्पताल केर निदेशक रहल सदरे आलम खान सामाजिक एवम् राजनितिक कार्य मे सदैव आगू रहैत छलाह। केवटी विधान सभा सँ चुनाव सेहो लड़लाह। मैथिली-मिथिलाक रक्षा हेतु अपन सर्वस्व निछाबड़ करैत रहल छलाह।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर अपन शोन सन्देश मे यथार्थे कहलैन जे “हँसमुख ब्यक्तित्व मैथिल सदरे आलमक निधन सँ मिथिला मर्माहत भेल अछि। मिथिला आंदोलन केँ अपूरणीय क्षति! मातृस्वरूपा बहिन जानकी अपन भाइ मैथिल सदरे आलम खान केँ स्वर्ग मे स्थान द हिनका परिवार केँ अइ विपत्ति सँ उबरै हेतु शक्ति देथुन। सादर श्रद्धांजलि!”

Related Articles