नेपाल मे नया भारतीय राजदूत मन्जिव सिंह पूरी, औपचारिकता तथा कार्यालय मे पहुँचब बाकिये

काठमांडू, फरबरी २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

 
नेपाल मे भारतीय राजदूत रंजीत रे केर कार्यकाल हालहि समाप्त भेलाक बाद रिक्त स्थानक पूर्ति हेतु नव भारतीय राजदूत केर रूप मे मञ्जिव सिंह पुरीक नाम सिफारिस कैल जेबाक समाचार अछि। भारत सरकार द्वारा मन्जीव सिंह केर नाम नव राजदूत केर रूप मे सिफारिस कैल जेबाक जानकारी प्राप्त नेपालक परराष्ट्र मन्त्रालय केर स्रोत द्वारा संचारक्षेत्र केँ कराओल गेल अछि। परराष्ट्र स्रोत केर कथनानुसार नव राजदूत नियुक्तिक विषय मे पत्र तऽ नहि आयल अछि, मुदा मञ्जिव सिंह केँ राजदूत केर रूपमे मनोनयन कैल जेबाक जानकारी आबि जेबाक बात कहल गेल अछि।
 

एहि सँ पहिने मन्जीव सिंह युरोपियन युनियन, बेल्जियम तथा लक्जम्बर्ग मे भारतीय राजदूत छलाह। हुनकर ३ वर्षक कार्यकाल यैह फरबरी मे पूरा भेल अछि। एम्हर राजदूत रणजीत रे केर कार्यकाल समाप्त भऽ गेलनि। मुदा नव राजदूत काठमांडू एबा मे किछु सप्ताह आरो लागत ई जनतब दूतावास केर स्रोत द्वारा कहल गेल अछि। एहि सँ पहिने नेपालक लेल भारतीय राजदूत मे प्रीति शरण तथा दलवीर सिंहक चर्चा सेहो चलल छल।