जोगबनी सँ विराटनगर धरि रेल लाइनक विस्तार लेल बजट आबंटित

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरबरी १०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

खुशख़बरीः जोगबनी स विराटनगर तक चलत भारतीय रेल

भारतीय रेल अप्पन नेटवर्क केर विस्तार नेपाल तक करत। केन्द्र सरकार द्वारा एहि प्रस्तावित रेल लाइन के लेल 200 करोड़ रुपयाक आवंटन मौजूदा बजट में कयल गेल अछि । जोगबनी स विराटनगर तक बनयबाक लेल भारतीय क्षेत्रक 18 किमी जमीन अधिग्रहण सेहो कयलक अछि । पूर्व मध्य रेलवे केर हाजीपुर मंडल केर जीएम केर मुख्य जनसम्पर्क पदाधिकारी ए के रजक सँ ई सूचना प्राप्त भेल अछि ।

भारत नेपाल बीच अत्यन्त प्राचीन एवं अटूट मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध अछि, संगहि दु भाग में विभक्त मिथिला केर एकीकरण लेल ई रेल लाइन बहुत महत्वपूर्ण सेहो होयत । भारत नेपाल केर बीच रोटी बेटी केर संबंध सेहो एतेक प्रगाढ अछि जे केहनो विकट परिस्थिति जेना माओवादी जनयुद्ध अथवा राणा शासनकालक तानाशाही प्रवृत्ति, सब समय मे भारत-नेपालकेर जन-गण-मन बीच आपसी सम्बन्ध बनैत रहल अछि ।

एहि रेलखंड केर बनला स व्यापारिक संबंध आरो प्रगाढ होयत । सहरसा फारबिसगंज रेलखंड पर फिलहाल अमान परिवर्तन चलि रहल अछि । सहरसा फारबिसगंज आर सकरी लौकहा निर्मली रेल लाइन केर लेल बजट में 125 करोड़ रुपया देल गेल अछि । कोसी नदी पर पुल बनि कय तैयार अछि जाहि सँ शीघ्र परियोजना पुरा होयत आर एहि इलाका में विकासक गतिविधि तेज होयत ।