नशा मुक्ति अभियानः मानव श्रृंखलाक सफल इतिहास

जोगबनी, जनवरी २१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

manav shrinkhla jogbaniबिहार मे शराबबन्दीक कानून लगेलाक बाद बेसी लोक पूर्ण नशा मुक्तिक पक्षधर रहबाक बात स्पष्ट अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा एहि पक्ष मे जनसमर्थन ठाढ करबाक लेल एकटा अति विशिष्ट आह्वान अन्तर्गत आइ विश्व रेकर्ड बनेबाक संकल्पक संग विद्यालयक छात्र-छात्रा व आम जनमानस केँ मानव श्रृंखला बनेबाक अपील कैल गेल छल। एकर समर्थन मे जगह-जगह सँ अपार जनसमर्थन द्वारा मानव श्रृंखला बनेबाक समाचार भेटैत रहल अछि।

manav shrinkhla jogbani1भारत-नेपाल सीमा पर अवस्थित जोगबनी – अररिया जिलाक सीमावर्ती क्षेत्र मे जयप्रकाश नारायण द्वार सँ लैत जोगबनी-फारबिसगंज मेन रोड पर विशाल पंक्ति मे मानव समुदाय ठाढ भऽ हाथ सँ हाथ मिला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर अपील केर पक्ष मे एकजुटता सँ ठाढ देखेला। विभिन्न सरकारी व निजी विद्यालयक छात्र-छात्रा सहित मदरसाक विद्यार्थी सब सेहो एकर समर्थन मे पंक्तिबद्ध देखायल। तहिना वरिष्ठ नागरिक समाजक बुजुर्ग आ महिला समाजक सदस्य लोकनि सेहो एहि पंक्ति मे ठाढ छलीह। राजनीतिक कार्यकर्ता, समाजसेवी, शिक्षक, कर्मचारी, युवा, पत्रकार, सब कियो एहि अपील मे एकजुटताक प्रदर्शन करैत विशाल मानव श्रृंखलाक निर्माण कएने छलाह। सभक जुबान पर एक्के टा चर्चा, प्रदेश केँ पूर्ण नशा मुक्त करय मे मुख्यमंत्रीक आह्वानक संग छी। एकरा निश्चित रूप सँ अपार सफल अभियान मानल जा सकैत अछि।

manav shrinkhla jogbani2हलांकि किछु लोक विद्यालयक छात्र-छात्रा केँ जबरदस्ती एहि अभियान मे सहभागी बनबैत करीब ३ घंटा धरि लाइन मे ठाढ होयबाक बात केँ मानव अधिकारक विरुद्ध सेहो चर्चा कएलनि, लेकिन उत्साह सँ कतहु ई नहि बुझाएत छल जे छात्र-छात्रा स्वयं एहि अभियान मे शामिल नहि भेल होएथ। विरोधीक काज होएत छैक कोनो भी नीको बातक विरोध केनाय, लेकिन ई मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ विश्व केर सफल नेताक पंक्ति मे त जरुर ठाढ कय देलक अछि।