विदेश मे रोजगारीक असुरक्षित जीवन – असंवेदनशील सरकार

मलेसिया मे विदेशी रोजगारी मे रहल एक असहाय रोजगारीक करुण पुकारः सन्दर्भ मलेसिया मे विदेशी रोजगारीक नृशंस हत्या 

संकलनः अशोक कुमार सहनी – भावानुवाद मैथिली मेः प्रवीण नारायण चौधरी

मलेसिया मे फेर एक नेपालीक निर्ममतापुर्वक हत्या

malaysia mazdoor killingमहोत्तरी जिल्ला सिसहैया कतैया गा.बि.स. केर मूल निवासी हाल मलेसिया पेनाङ राज्य स्थित चिन वेल फास्टनर्स कंपनी (कंपनी नंबर १७०७५२-x), बुकिट मेटराजाम, पेनांग, मलेसिया मे कार्यरत राधे श्याम पाण्डेक काल्हि राति पेनांगहि केर नागसरी टाक्सी पार्क जनदीक खुला चौरीमे धारदार हथियार सँ गला काटि हत्या कय देल गेल अछि।

एहि तरहें कतेको नेपाली कामदार हरेक दिन अपन जान गमेबाक भय मे समय काटि रहल अछि। एतय आरो-आरो देशक कामदारक हाल एहने भयावह अछि। किछु दिन पूर्वहि एहि कंपनी मे नेपालहि केर सुख बहादुर राई आर अभय सिंह आत्माहत्या कएल स्थिति मे भेटायल, एक बंगलादेशी नागरिक समय मे उपचार नहि पाबि मारल गेल आर म्यानमारक तीन जना नागरिक केँ सेहो अहिना गला रेतकय बिना कारण हत्या कय देबाक कारण अकाल समय मे अपन जान गमाबय पड़ि गेल अछि।

दोसर दिश हत्या कएनिहार अपराधी सब केँ नहिये एतुका पूलिस आर नहिये एतुका कानुन प्रशासन पकैड़कय हत्या समान जघन्य अपराधक सजाय दैत अछि। तहिना रोजगार उपलब्ध कराबयवला नियोक्ता कंपनी पर्यन्त विदेशी कामदारक जानक रक्षाक कोनो प्रत्याभूति दय सकल अछि। नहिये मृतकक परिवार केँ कोनो तरहक क्षतिपूर्तिक खबैर भेट सकल अछि। आ नहिये पीड़ित पक्षक अपन देश एहि दिशा मे समुचित ध्यान दय सकल अछि, नेपाली दूतावासक ध्यान एहि तरहक वीभत्स घटना तरफ नहि गेनाय अपनहि नागरिकक कुकुरक समान मरैत छोड़ि देबाक जेकाँ अभरैत अछि।

malaysia mazdoor killing1नेपाल सरकार आर सरकार द्वारा संचालित दूतावास सहित विभिन्न संयंत्र द्वारा विदेश मे घटि रहल एहेन घटना केँ गंभीरता सँ लेबाक बड पैघ आवश्यकता अछि। नेपाली मीडिया सब केँ राजनीतिक दल र दलक नेता-कार्यकर्ताक बिगुल फूँकैत रहबाक बदला नेपाल तथा नेपालीक आर्थिक धरोहर बनि गेल रेमिटेन्स आय अननिहार कामदारक जीवन सुरक्षा सँ जुड़ल प्रश्न केँ उजागर केला सँ निश्चित एहि भयावह अवस्था सँ निजात भेटैत। हमरा सब सन पीड़ित कामदार सब विदेशी भूमि मे सुरक्षा, न्याय कहिया पायब?

अन्त मे सम्पूर्ण नेपाली भाइ-बंधु लोकनि केँ अपील करैत कहब जे मलेसिया मे रोजगारक लेल एबा सँ नीक गाम-घर मे कुरहैर-कोदारि चलाकय अपन रोजी कमेनाय नीक अछि। एतेक कहैत सब सहयोगी हाथ सब केँ एहि दुखद घटना केँ संबंधित स्थान धरि पहुँचेबाक कोशिस कय देबाक अनुरोध करैत छी। अहाँक एक खबैर सँ एना अकालहि मे जान गमेनिहारक जान बचि सकैत अछि, तहिना एहेन-एहेन कंपनी मे कामदार पठेनिहार मैनपावर सप्लाई कंपनी सब केँ सेहो सचेतना आ खबरदारी करय मे मददगार भऽ सकैत अछि।

मृत आत्माक चिर शान्तिक कामना करैत…

तिलक पादेउती, मलेसिया