काठमांडू, नेपाल। जनवरी १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
नेपालक राष्ट्रपति विद्यादेवी भंडारीक छोटकी बेटी डा. निशा कुसुम संग पूर्व राष्ट्रपति डा. रामवरण यादवक नाति ई. अभिषेक यादव केर विवाह काल्हि दिवा लगन मे राष्ट्रपति भवन ‘शितल निवास’ मे संपन्न भेल अछि।
एक तरफ राजनीतिकर्मी सभक आपसी असहमति – अविश्वास सँ पहाड़ी आ मधेशी समुदाय बीच पर्यन्त मनभेद बढबैत देशक राजनीतिक अवस्था अनिश्चितताक दौड़ सँ गुजरैत देखाएत अछि, मुदा दोसर दिश नव युवा शक्ति पहिचानक विभेद केँ बिसैरकय आपस मे आत्मीयता बढा सेहो रहल अछि।
ई. अभिषेक यादव आर डा. निशा कुसुम पिछला ७ वर्ष सँ एक-दोसराक प्रेम सम्बन्ध मे रहबाक बात समाचार पत्र सब मे प्रकाशित कएल गेल अछि। निश्चित रूप सँ मधेशी आर पहाड़ी समुदाय बीच आपसी कुटमैती सँ दुइ समुदाय बीच सम्बन्धक प्रगाढताक असर राजनीतिक दुर्दशा केँ सेहो दूर करय मे सहयोगी होयत।
उपरोक्त विवाहक शुभ अवसर पर नेपालक पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र वीर विक्रम शाहदेव केर उपस्थिति आजुक समाचारपत्र सभक मुख्य पेजक विषय सेहो बनल अछि। तहिना एहि विवाह मे उपराष्ट्रपति नन्द बहादुर पुन केर अलावे विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेता, कुटनीतिक नियोगक प्रमुख लोकनि, सुरक्षा निकायक प्रमुख लोकनि आर कुल ५१ टा बरियाती जाहि मे पूर्व राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव सहित दूलहा अभिषेकक माता-पिता एवं परिवारक अन्य सदस्य सब सहभागी हेबाक समाचार राष्ट्रपति निवासक सचिवालयक तरफ सँ बताओल गेल अछि।
वर-वधू केर वैवाहिक जीवनक सफलताक संग देश मे सेहो सब समुदाय बीच सौहार्द्रपूर्ण सम्बन्ध बनबाक आर देश विकास तरफ डेग बढेबाक शुभकामना ‘मैथिली जिन्दाबाद’ केर तरफ सँ दैत छी।
हरिः हरः!!
फोटोः साभार आनलाइन खबर