दरभंगा, जनवरी १६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
विगत किछु दिन सँ डीडी मैथिली सहित प्रसार भारती द्वारा क्षेत्र, क्षेत्रीयता आ भाषा, कला, जनजीवनक विकास लेल आकाशवाणी केन्द्र आदिक मांग मिथिलाक्षेत्रक विभिन्न जिला मे उठय लागल अछि। हालहि संपन्न साहित्यांगन नामक संस्थाक एक बैसार मे एहि मांग पर आवाज उठैत देरी मानू जेना ई जन-गण-मन केँ छूबि गेल हो। साहित्यकार-संचारकर्मी अजित आजाद द्वारा एहि सम्बन्ध मे उपेक्षा पुलिन्दा खोलिकय सोसल मीडिया पर उझलैत देरी मिथिला राज्य लेल संघर्षरत संस्था मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर संघर्षक घोषणा कएने छलाह।
एखन तुरन्त महासचिव राजेश झा विज्ञप्ति पठबैत जानकारी करौलनि अछि जे ‘आधारशिला नहि, आकाशवाणी चाही’ नाराक संग ऐगला २३ जनवरी आकाशवाणी दरभंगा केन्द्र पर धरना राखल गेल अछि।
विज्ञप्ति मुताबिक मिरानीसेक माँग निम्न रूप मे राखल गेल अछिः
१. मधुबनी मे आकाशवाणी चाही जकर आधारशिला २० वर्ष पूर्व तत्कालीन सूचना एवं प्रसारण मंत्री रवि शंकर प्रसाद मधुबनी मे रखने रहथि।
२. डीडी-मैथिली चाही। भाषा आधार पर सभ प्रमुख भाषा मे दूरदर्शन अछि।
३. आकाशवाणी दरभंगा मे मैथिली कार्यक्रमक अधिकता चाही।
उपरोक्त माँग लेल मिथिला राज्य निर्माण सेना आगामी सोम दिन, २३ जनवरी केँ दरभंगा आकाशवाणी केंद्र पर धरना देत। एहि धरना केर संयोजन प्रख्यात मैथिली साहित्यकार आ मिरानिसे सेनानी भाइ अजित आजाद मिरानिसे अध्यक्ष रंगनाथ ठाकुर केर निर्देशानुसार करता। एहि धरना मे मैथिली लेखन केर बहुतो नामचीन योद्धा लोकनि सेहो उपस्थित रहताह। अपने सब अहि धरना कार्यक्रम में उपस्थित होउ आ अपन अधिकार प्राप्त करबाक प्रयास में मिरानिसेक सहयोगी बनू। ले जान की दे जान। जय मिथिला जय जानकी।
– राजेश झा, महासचिव