दरभंगा, जनवरी १५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्य निर्माणार्थ संघर्षरत अभियानी संस्था मिथिला राज्य निर्माण सेनाक पूर्व घोषित कार्यक्रम ‘संकल्प दिवस’ दरभंगाक कर्पुरी चौक पर सभारूप मे आयोजित कैल गेल। एहि सभा मे आयोजक संस्थाक अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर सहित राष्ट्रीय एवं क्षेत्रीय पदाधिकारी लोकनिक नीक सहभागिता छल।
एहि अवसर पर सभा केँ सम्बोधित करैत डा. रंगनाथ ठाकुर कहलैन जे निज तिला संक्रांतिक दिन जहिना मिथिलावासी अपन मायक हाथ सँ तिल-चाउर-गुड़ ग्रहण करैत तीनू लोक मे पुत्र-कर्तब्य निर्वाह करबाक शपथ लैत छथि, तहिना एहि बेरुक तिला-संक्रांतिक शुभ दिवस पर दिन भरि उपास राखि अपराह्नकाल अपहृत मातृभूमिक अस्मिता केँ स्वतंत्र करेबाक लेल तिल-चाउर-गुड़ खाएत शपथ खा रहल छथि। ओ कहलैन जे विगत ७ दसक मे मिथिलाक पवित्र भूमि बिहार नामक राज्य मे मिल गेला सँ अत्यन्त अपवित्र बनि गेल अछि, एहि ठामक भाषाक मधुरता पर बाहरी भाषाक आक्रमण आर वैदिक लोक-संस्कृति केँ बिहार सरकारक कूचक्री शासन पद्धति आर लोकपलायनक दंश सँ सर्वनाश कैल जा चुकल अछि। आबो जँ एहि कूचक्र सँ मिथिला केँ मुक्ति नहि भेटत तऽ मिथिला मात्र इतिहासक पन्ना मे शेष रहि जायत।
कार्यक्रम संयोजक देवकान्त यादव मिथिला राज्य आन्दोलन केँ सर्व-समावेशी बनेबाक संकल्प लैत आगामी समय मे मिथिलाक विरोधी केँ माफ नहि कैल जेबाक बात कहलनि। राज्य बनेबाक फायदा मिथिलाक आम सर्वहारा समाज केँ होयबाक स्थिति मे एकरा कोनो विशेष जातिक आन्दोलन कहि आम जनमानस केँ भटकेबाक विरोधी नीति आब मिथिला मे नहि चलबाक ओ चेतौनी देलनि।
उपस्थित कार्यकर्ता आ जनमानस केँ विनयपूर्वक तिल-चाउर-गुड़ खेबाक लेल अनुरोध करैत शपथ दियाओल गेल। मिथिला राज्य निर्माणक दिशा मे नित्य बढैत डेग मे आजुक डेग आम जनमानस केर हृदय नव तरंग उत्पन्न कैल जेबाक जनतब महासचिव राजेश झा देलनि। उपाध्यक्ष अनिल झा सभा केँ संबोधित कय राज्यविहीन मिथिला केर आर्थिक विपन्नता पर प्रकाश देलनि। तहिना पुप्पुन प्रसाद, शंकर नाथ झा, टुनटुन भाइ व अन्य वक्ता लोकनि सेहो सभा केँ संबोधित करैत आजुक संकल्प दिवस हरेक वर्ष मनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलनि।
कर्पूरी चौक, दरभंगा पर मिरानिसे दिस स आबै-जाइ बला मैथिल भाई-बहिन केँ तिल-गुड़ खुआ कय संकल्प दियाओल जेबाक जनतब सेहो भेटल अछि।

1 Comment
Maithili k pahil film MAMTA GABAY GEET k teen nirmata me ek Sri Kedar Nath Choudhary apan pustak AAWARA NAHITAN me purn jankari dene chhaith.Vartman me HiddenCottage,Bangali Tola,Laheriasarai,Darbhanga hunak nivas sthan chhainh.Mob No:-08809660611 par sambhawtah vet sakait chhathi.Hunak anubhav se labh uthayal ja sakait aachhi.
D.N.CHOUDHARY(bachchanjee) 09430941042.