हरदी, सुपौल। जनवरी १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक प्रसिद्ध लोकदेवता ‘लोरिक’ केर जीवनगाथा पर आधारित मैथिली लघु फिल्म केर सूटिंग पूरा कैल जेबाक जानकारी निर्देशक किसलय कृष्ण करौलनि अछि। दिन-राति एक कय केँ एकरा ऊपर लगातार काज करैत सूटिंग पूरा करबाक जनतब दैत किसलय कृष्ण कहलैन जे मिथिलाक प्रसिद्धि केँ फिल्मांकन करबाक अवसर पाबि जीवन धन्य भेल जेकाँ अनुभूति कय रहल छी। जीवन मे ओना बहुते रास काज करबाक अनुभव भेटल अछि, लेकिन कोनो लोकदेवताक जीवन पर आधारित ऐतिहासिक गाथा केँ मैथिली मे फिल्मांकनक सौभाग्य पहिल बेर भेटल। एतेक मेहनत आ लगन हम अपना आप मे एहि सँ पहिने अपनो नहि देखि सकल रही, ई सचमुच अलगे अनुभूति आर आशीर्वाद भेटबाक जेकाँ लागि रहल अछि।
विदिते अछि जे लोरिकदेव केँ मिथिला यदुवंशीक आदि पुरुष सेहो मानल जाएत छन्हि। हिनक वीरगाथा सब मैथिली भाषाक लोरिकाइन माध्यम सँ गेबाक परम्परा आइयो देखल जाएत अछि। मैथिली भाषा-साहित्यक एकटा अविस्मरणीय अभिनेता लोरिक पर फिल्म बनेबाक लेल मुन्ना चमन जे स्वयं बच्चहि सँ हरदी भगवती लोरिकक आराध्या रहबाक बात सुनैत आयल छलाह से आगू आयल छथि। एहि इलाका मे एकटा अलगे उत्साह देखल जा रहल अछि।
हरदी गामवासी सब बहुत खुश छथि जे आब हुनकर गामक नाम विश्व पटल पर फिल्मक माध्यम सँ पहुँचत। एहि सुकार्य मे स्थानीय विधायक यदुवंश यादव तथा सुपौल जिलाधिकारी स्वयं मिथिलाक धरतीपुत्र बैद्यनाथ यादव सेहो भरपूर सहयोग करबाक जानकारी किसलय कृष्ण देलनि अछि। एहि फिल्म केँ पूरा करय मे संचारकर्मी, कवि एवं मिथिला राज्य अभियानी सुभाषचन्द्र झा सेहो सह-निर्देशनक संग स्वयं अभिनय सेहो कय रहला अछि। अनिल मिश्रा व जानबी झा सहित फिल्मक कलाकार लोकनि दूर-दूर सँ आबिकय पूर्ण सहयोग करैत अत्यन्त कम समय मे हरदी गामहि केर लोकेशन मे सब सूटिंग पूरा हेबाक जानकारी भेटल अछि।