Search

मातृभाषा मे शिक्षा – एक डेगः राजविराज मे आइ अन्तर्क्रिया

151 भ्यूज

राजविराज, जनवरी १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

 
birgunj3मिथिलाक अनुपम डेग द्वारा आइ प.बि. विद्यालय राजविराज मे २ बजे सँ ‘मातृभाषा मे शिक्षा – एक डेग’ विषय पर एक अन्तर्क्रिया कार्यक्रम करय जा रहल अछि। एहि अन्तर्क्रिया मे प्राथमिक शिक्षा मे मैथिली भाषाक स्थिति पर समीक्षा सेहो कएल जायत।
 
पूर्व मे सिलेबस विकास सँ लैत धरातल पर छात्र सभक रुचि आदिक गहिंर अध्ययन पर्यन्त कएने विशेषज्ञ जनानन्द मिश्र सहित इतिहासविद् एवं मैथिली अधिकारकर्मी प्रो. अमरकान्त झा, प्रो. सुनील कुमार झा, वरिष्ठ संचारकर्मी व मैथिली भाषा-संस्कृति प्रति समर्पित अभियान संचलाक लोकनि विष्णु मंडल तथा श्याम सुन्दर यादव पथिक, वरिष्ठ अभियानी एवं शिक्षाविद् देवेन्द्र मिश्र, शुभचन्द्र झा, करुणा झा, साधना झा तथा विराटनगर सँ मैथिली-मिथिला अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी केर सहभागिता रहत।
 

मिथिलाक अनुपम डेग केर अध्यक्षा आरती झा कहलैन जे मातृभाषा मे शिक्षाक आवश्यकता सर्वविदित रहितो व्यवस्थापन मे कमजोरी केँ दूर करबाक लेल ई अन्तर्क्रिया कार्यक्रम राखल गेल अछि। डेग केर संयोजक निराजन झा सहित विभिन्न अभियानी लोकनि निरन्तर एहि दिशा मे धरातलीय अन्वेषणक काज केलाक बाद एकर जरुरत बुझायल आर परिणामस्वरूप आजुक अन्तर्क्रिया कार्यक्रम होयब तय भेल अछि।

Related Articles