दमाम, सउदी अरब। जनवरी ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर अध्यक्ष कैलाश यादव मैथिली जिन्दाबाद केँ विज्ञप्ति मार्फत जानकारी करबैत कहलैन अछि जे पैछला शुक्र दिन संपन्न समाजक कार्यकारिणीक सउदी अरब देशक दमाम शहरक बैसार मे ई निर्णय लेल गेल अछि संस्था द्वारा अनपढ, पिछड़ा आ गरीब-गुरबा समाज सँ दहेज कूप्रथा केँ निर्मूल समाप्त करबाक वास्ते उचित डेग बढायल जायत।
विदिते अछि जे उपरोक्त संस्थाक सदस्य सब खाड़ी देश – मलेशिया आदि मे विदेशी रोजगार कय अपन परिवारक भरण-पोषण करबाक संग-संग समाजक दुर्दशा विरुद्ध संघर्ष करबाक लेल अपन थोड़-बहुत योगदान सँ गाम-समाज केँ सहयोग करैत अछि। एहि संस्थाक सदस्य सब अपन गाम-घर-परिवार सब छोड़ि दोसर देश मे काज करितो अपन मूल समाजक हित-चिन्तन लेल सदैव किछु न किछु कार्यक्रम सब करैत रहैत अछि। दमाम केर मीटिंग मे महिला शोषण तथा महिला भ्रूण हत्याक जैड़ दहेज प्रथा विरुद्ध संघर्ष करबाक निर्णय लेल गेल अछि।
अध्यक्ष कैलाश यादव कहलनि जे दहेज मुक्त मिथिला अभियान सँ प्रभावित होएत हमरा लोकनिक संस्था सेहो शुरुआत मे किछु चुनल गाम-समाज मे दहेज विरुद्ध आत्मसंकल्प लियेबाक कार्य करत आर संगहि गामक असहाय, गरीब, पीडित जन केँ सेवा मे अपन यथासंभव योगदान देत।