Search

झंझारपुर ‘साहित्याङ्गन वार्षिकोत्सव’ आमंत्रण

झंझारपुर, दिसम्बर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

झंझारपुर मे हरेक मास आयोजित भऽ रहल अछि साहित्यिक कीर्ति कुम्भ

झंझारपुर मे हरेक मास आयोजित भऽ रहल अछि साहित्यिक कीर्ति कुम्भ

अगहन शुक्ल चौठ तदनुसार 03/12/2016 शनिदिन साहित्याङ्गन बार्षिकोत्सव आयोजित अछि।

समय:- 11 बजे दिन सँ।
स्थान:- झंझारपुर जनता कॉलेज।

कार्यक्रम:-

1. अ: – परमादरणीय मिथिला बिभूति पं0 गोबिन्द झा: – पं0 भव नाथ मिश्र शिखर साहित्य सम्मान 2016।

आ: – परमादरणीय डॉ0 जगदीश मिश्र: – कृतज्ञ साहित्याङ्गन बिशिष्ट सम्मान 2016।

इ: – परमादरणीय प्रो0 रामचन्द्र मिश्र मधुकर: – आचार्य यन्त्र नाथ मिश्र साहित्य शिखर सम्मान 2016।

ई: – परमादरणीय पत्रकार श्री सुनील मिश्रजी कें : – कृतज्ञ साहित्याङ्गन पत्रकारिता सम्मान 2016।

बिशिष्ट सम्मान सबसँ सम्मानित कयल जेता।

2: – “साहित्यांङ्गनक कीर्ति कुम्भ आगाँ आ पाछाँ” बिषय पर चर्चा।

3: – मैथिली मनीषी पं0 भवनाथ मिश्र पर केन्दित 12 कीर्तिकारक कीर्ति कुम्भ।
ब्यंगकार श्री बिरेन्द्र नारायण झा केर नवीन पुस्तक”ठाँहि-पठाँहि” केर बिमोचन सेहो होयत।

4: – शहीद विकास,सरहद आ शहादत पर केन्द्रित कीर्ति कुम्भ आ राग संसार।

अपने लोकैन सादर आमंत्रित छी।

निवेदन जेअधिक सँ अधिक संख्या मे साहित्यकार आ साहित्यप्रेमी लोकैन उपस्थित भ’ आयोजन कें सफल बनाबी।

निवेदक
साहित्याङ्गन परिवार।
8298221979/9430241979
[email protected]

Related Articles