कानपूर, २५ नवम्बर, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पाँचम मिथिला महोत्सव 2016 के आयोजन दिनांक 18 दिसंबर 2016 क् कानपुर में मिथिलांचल महासभा उत्तर प्रदेश के द्वारा कैल जा रहल अछि । कार्यक्रम के आकर्षण मिथिला स बाहर उत्तर प्रदेश में रहनिहार मैथिल लोकनि के मैथिली भाषा , संस्कृत , सभ्यता आ संगहि मिथिला के बाहर रहनिहार मैथिल के अपन राजनितिक अधिकार के संग संग मिथिला राज्य आंदोलन में मिथिला स बाहर रहनिहार मैथिल आ मिथिलाबासि के की योगदान करबाक चाही संगहि महासभा द्वारा हर साल 5 टा बच्चा के शिक्षा के लेल देल गेल आर्थिक सहयोग के संग संग मैथिल सम्मान आ मिथिला रत्न सम्मान के संग संग मिथिला के कलाकार द्वारा लोक संगीत के सान्स्कृतिक आयोजन तत्पश्चात भोजन भात के आयोजन हैत। समय समय पर अपने लोकनी के और अपडेट भेटैत रहत । जे भी कियो कानपुर अहि कार्यक्रम में शामिल होबय चाहै छी से अपन उपलब्धता के जानकारी दी आ अपन ट्रेन / प्लेन/ या निजी बाहन स एबाक व्यबस्था करी । कोनो जानकारी बा सुझाव के लेल अपने अहि नंबर पर संपर्क क् सकै छी। 8948011111 आ 7860744786 । अधिकार पत्रिका के दोसर विमोचन सेहो कैल जैत आ अहि पत्रिका के लेल जिनका अपन आलेख / विचार / कविता या ऐड देबाक इच्छा हुए ओहो व्यक्ति संपर्क करी । जय मिथिला जय जानकी ( अपनेक अनिल झा – संयोजक आ प्रवक्ता , मिथिलांचल महासभा उत्तर प्रदेश)।
भारत वर्ष में आब हर ठाम हर शहर में आये दिन करीब रोज विद्यापति पर्व समारोह मनायल जा रहल् अछि आ अहि समारोह के मनाबै में लगभग लाखो रुपया खर्च कैल जा रहल अछि जे हमरा हिसाब स कोनो खराब बात नै मुदा हम एक बातक पक्ष में छी आ ताहि लेल समस्त मैथिल जे कियो मिथिला में छी आ मिथिला स बाहर छी आऊ ई प्रेरणा के संग शपथ ली सब कियो सब संस्था के पदाधिकारी जे आई स कोनो संस्था या व्यक्तिगत द्वारा कोनो सांस्कृतिक कार्यक्रम में किछु खर्च के कटौती क् ओहि राशि के मिथिला राज्य आंदोलन के धरातल पर तेज करबाक बास्ते मदद करी । अगर अखन स ल् क् हम सब वसंतपंचमी तक जतेक सांस्कृतिक कार्यक्रम करी ओहि में खर्च में कटौती क् ओहि राशि के मिथिला आंदोलन में दी जाहि स आंदोलन तेज हुए आ राज्यक परिकल्पना जल्द स जल्द सम्भब भ् सकै । हमहू सब 18 दिसंबर क् मिथिला महोत्सव कानपुर में मनाबै जा रहल छी आ अहि नियम के हमहू सब पालन करय जा रहल छी । सोचु जे अगर हम सब मात्र 25000 के खर्च कटौती क् दी आ वसंतपंचमी तक हमरा हिसाबे करीब 100 टा कार्यक्रम समूचा भारतवर्ष में होयत आ ताहि हिसाब स कम स कम 2500000 पच्चीस लाख के कोष के व्यवस्था भ् जैत जे आंदोलन के कम स कम 2019 के लक्ष्य तक पहुंचाबै में बहुत मदद करत । बस हमरा सब मव दृढ इच्छा शक्ति चाही जाहि स हम सब सकारत्मक रूप में अहि के क् सकी । कटौती कैल गेल पैसा के अपन पास राखी आ समय आबैत ओहि राशि के आंदोलन में मदद करी। ले जान की दे जान, जय मिथिला जय जानकी ।