दरभंगा, नवम्बर १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ मिथिला राज्य निर्माण करबाक लेल ज्ञापन पत्र सौंपलक अछि। मिरानिसे केर अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर केर नेतृत्व मे एकटा शिष्टमंडल दरभंगा समाहरणालय पर पहुँचिकय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर हाथ मे ज्ञापन पत्र सौंपलनि। सेनाक शिष्टमंडल मे शामिल महासचिव राजेश झा जानकारी दैत कहलनि अछि जे मुख्यमंत्री एहि ज्ञापन केँ नहि सिर्फ अपने सँ ग्रहण केलनि बल्कि पूरा पढबो केलनि अछि।
झा कहलैन जे मुख्यमंत्री ज्ञापन पढैत मौन आश्वासन सेहो देलनि जेना कि हम सब जदयू केर छोट राज्यक नीति आ स्वयं मुख्यमंत्रीक २०११ केर मिथिला राज्यक समर्थन मे देल उक्तिपर हाइलाइट लगौने रही ताहि अनुरूपें ओ आइयो किछु तेहने बुझेलाह। लेकिन बहुत अफसोसक संग कहय पड़ि रहल अछि जे आइ तीन दिन सँ मुख्यमंत्री संग भेंट करेबाक लेल मिथिलाक कथित राजधानी दरभंगाक जमीन सँ जुड़ल अनेकों नेता सँ निवेदन कयलहुँ लेकिन कियो सार्थक सहयोग करबाक लेल नहि गछलनि।
राजेश झा अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत राजनीति कएनिहार हर दल केर प्रतिनिधि केँ आगाह करैत अपन शिकायत रखलैन जे किनको मे एतेक जिगर नहि जे मुख्यमंत्री धरि मिरानिसे केर मांग-पत्र पहुँचेबा मे मदति कय सकितैथ… आक्रोशित होएत झा लिखलनि अछि, पैघ-पैघ डींग हाँकनिहार, खुद केँ विकासक पैरवीकार कहनिहार, नीतीश केर आगू-पाछू पूँछ हिलेनिहार – सभक दयनीय अवस्था आइ स्पष्ट भऽ गेल। ओ कहलैन जे जखन जदयू केर नेताक एहेन स्थिति रहल तऽ विपक्षी खेमाक प्रतिनिधि तऽ अछिये जड़विहीन। पैरासाइट्स जेकाँ दरभंगा केँ चूसि रहल व्यक्ति केना पसंद करितय जे हमरा लोकनिक माँग केँ बल भेटय, समर्थन भेटय… एकरा सभक कारस्तानी देखिकय ई विश्वास आरो बढि गेल जे मागधी प्रतीक सँ पहिने अपनहि घर मे बैसल दीमक केँ साफ करब जरुरी अछि। मिथिला केर सौदा कय खुद केँ नेता कहेनिहार एहि रावण सभक वध जरुरी अछि। पहिने घर केँ साफ करब तऽ बाहर पटनिया सरकार कान मे सेहो बम केर धमाका होयत।
पुनः सेना द्वारा एहेन विषम परिस्थिति मे दरभंगा सँ काँग्रेस केर एमएलसी दिलीप चौधरी केँ धन्यवाद दैत कहलैन अछि जे एतेक हिजड़ा सभक बीच एकमात्र मर्द साबित भेला दिलीप चौधरी जी जिनका समाहरणालय परिसर मे बस एक बेर कहल जे नीतीश कुमार केँ ई माँग-पत्र देबाक अछि, ओ पूछलनि कोन विषय, आर जखन कहलियैन जे मिथिला राज्य तऽ हुनक उत्तर छल जे ई तऽ हमरा सभक प्रतिष्ठा सँ जुड़ल अछि, आर एतेक कहैत ओ स्वयं मिरानिसे शिष्टमंडल केँ मुख्यमंत्री नीतीश जी धरि पहुँचेलनि।
मुख्यमंत्री केँ देल गेल ज्ञापन पत्रः


2 Comments
सही मायने म देखी त मिथिला ऐखन सर्वमान्य नेता विहिन तै ई हाल
अहाँ केकरा नेता मानैत छी?