अरब मे छैठ समारोहः मिथिला एकता समाज रियाध

सुरेशराज त्रिपाठी, रियाध, साउदी अरब। 

(समाचारः साभार अरब-नेपाल डट कम)

chhaith-arabनोभेम्बर ११ , २०१६ शुक्रबारक दिन बिगतक बर्ष सब जेकाँ एहि वर्ष सेहो मिथिला एकता समाज साउदी अरब रियादद्वारा छैठ पर्वक अवसरमे साउदिअरबक रियादमे छैठ विशेष पूजा २०७३ भब्य रुपमे सम्पन भेल अछि ।

कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि नेपाली दुताबासक का.बा. राजदुत आनन्द प्रसाद शर्मा छलाह, तहिना विशेष अतिथि लोकनि दुताबासक अन्य पदाधिकारी सब, अतिथि सब साउदीअरबमे रहल विभिन्न नेपाली संघ, संस्था सबहक प्रतिनिधि लोकनि, नेपाली ब्यबसायी सब रहल छलाह । मिथिला एकता समाज साउदीअरबक अध्यक्ष सुनिलप्रसाद गुप्ताक सभापतित्वमे सम्पन्न कार्यक्रम मिथिला एकता समाज साउदीअरबक सचिब प्रदिप पासवान आर मोहम्मद नोसाद राइन द्वारा संचालन कैल गेल छल ।

mithila

अतिथि सब केँ आसन ग्रहण पश्चात राष्ट्रिय गान बजाकय आगू बढायल गेल उक्त कार्यक्रममे मिथिला एकता समाजक कोषाधक्ष रामनन्दन महतो द्वारा सम्पूर्ण उपस्थित गणमान्य केँ स्वागत करैत स्वागत मन्तब्य तथा छैठ पाबनिक अवसरमे शुभकामना देने छलाह । साउदीअरबमे कार्यरत नेपाली सब केँ नीक उपस्थिति मे सम्पन्न एहि छैठ पूजामे नेपाली राजदुतावास परिवार रियादक सेहो उपस्थिति छल आर पूजाक साथमे विभिन्न मनोरंजनात्मक कार्यक्रम सब भजन, नृत्य तथा प्रमुख अतिथि, कार्यक्रमक सभापति व अन्य अतिथि केर शुभकामना मन्तब्य सब प्रस्तुत कैल गेल छल ।

साँझक समय अस्तांचल सूर्य केँ पूजा आराधना करैत अर्घ्य दैत उपासनाक संग छठि परमेश्वरीक पूजा कैल गेल, तदोपरान्त उपस्थित जनसमुदाय केँ पूजाक प्रसादक साथमे भोजन कराकय कार्यक्रम केर समापन कैल गेल छल । हरेक क्षेत्र सँ (खास कयकेँ धर्ममे) अत्यन्त कठिन देश साउदीअरबक राजधानी रियादमे अपन धर्म आर संस्कृति केँ बचेबाक लेल विभिन्न बाधा एवम् अवरोधक बावजूदो मिथिलावासीक महान् पर्व छैठ मिथिला एकता समाज हरेक बर्ष मनाबैत आयल अछि। एना विदेशमे सेहो अपन परम्परा अनुसार पर्व सब मनाकय धर्म संस्कारक रक्षा मे अतूल्य योगदान पहुँचेबाक कार्य बहुते सराहनीय भेल ई कार्यक्रम मे भाग लेनिहार लोक सब प्रतिक्रिया देलनि।

surya-lai-aagra

आगामी दिन मे सेहो एहने कार्य सबकेँ निरन्तरता दैत सभक मन जितैत आगू बढय मिथिला एकता समाज अरब नेपाल डट कम आर साउदी नेपाली अनलाइन टिभीक तर्फ सँ हार्दिक शुभकामना ! संगहि विदेशमे हम नेपाली-नेपाली जहिना एकजुट भऽ कय बसैत छी, तहिना देश मे सेहो पहाडी हिमाली मधेसी जतय कतहु केर हो ओ सब एक भऽ कय सब काज मे हाथ-मे-हाथ मिलाकय आगू बढी, सभक मन मे एकमात्र राष्ट्रीयताक भावना जे हम सब नेपाली एक छी, यैह भावना सबहक हुअय आर देश मे एखन चलि रहल असहज परिस्थितिक शीघ्र अन्त हुअय यैह कामना छठि परमेश्वरी सँ करैत छी।

मिथिला एकता समाज साउदीअरबद्वारा आयोजित एहि छठि पाबनि पर राखल गेल विशेष पूजा कार्यक्रमकेँ साउदी नेपाली अनलाइन टि.भी. द्वारा प्रत्यक्ष प्रसारण कैल गेल छल ।