अतरौली गाम मे राम बाबू झा केर ‘जय मैथिली जय मिथिला’ गान

अमित झा, अतरौली, मधुबनी। नवम्बर ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

atarauli-ram-babu-programमिथिलाक गाम-गाम मे ओना त पूजा-पाठ आ महोत्सवक बेस्ट सीजन थीक दुर्गा पूजा सँ लैत छठि परमेश्वरीक पूजा धरि, मुदा मधुबनी जिलाक अतरौली गाम मे काली पूजा पर उत्सवक माहौल केर विशेषता चौगामा प्रसिद्धि पेने अछि।

एहि वर्ष नवम्बर १ तारीख केर रात्रि मे काली पूजा समिती केर सुअवसर पर मैथिली गायक अखिलेश झा,  बसंत झा संग रामबाबु झा केर धमाकेदार सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल जेकर चर्चा खूब जोर-शोर सँ इलाका मे भऽ रहल अछि।

मैथिली भाषा मे अपन कइएको अमर गीत-संगीत सँ कृतिमान ठाढ केनिहार गायक रामबाबु झा द्वारा एकटा अति विशिष्ट रचना ‘जय मिथिला जय मैथिली’ केर प्रस्तुति एतेक रमणगर छल जे उपस्थित श्रोता-दर्शक केँ ई अनुभूति भेलनि जे हम सब कोन मिथिलाक लोक छी आ हमर वर्तमान समय मे अपन मूल पहिचानक अवस्था कतय हेरायल अछि।

अमित कुमार झा सोनई गाँव केर निवासी सेहो अतरौलीक काली पूजा मे शामिल रहैथ। अमित कुमार झा आंध्र प्रदेश मे रहितो अपन भाषा आ संस्कृतिक संग मैथिली जिन्दाबाद पत्रिका आ संचारकर्म लेल प्रखर सहयोगीक भूमिका निर्वाह करैत छथि। संगहि मिथिलाक विभिन्न गायक, कलाकार, संचारकर्मी आदि केँ जोड़िकय एकटा प्रसिद्ध व्हाट्सअपन चौकड़ी (ग्रुप) – अपन मिथिला महान केर संचालन सेहो करैत छथि। रामबाबु झा केर संग मंच पर जाय जनमानस सँ अपन मातृभाषा मैथिली प्रति पूर्ण संवेदनशील बनबाक आग्रहक संग पत्रिका “मैथिली जिंदाबाद” पढ़बाक हेतु विनम्र अनुरोध सेहो कएलनि।

रामबाबु झा, झुनझुन झा, रामबाबु झाक भातीज दुर्गानन्द झा, भगवान् झा, सरोज झा, अमित झा, रानी झा केर गीत सँ पुरा गाम-समाज गद्गद् छल। रामबाबु झा केर जय मिथिला जय मैथिली मे राखल विचार सँ सब कियो काफी प्रसन्न छलाह। मिथिलाक हर गाम छै सुन्दर – बचाउ एहि ठामक सब धरोहर। सब ठाम एहने सुमधुर कार्यक्रम हो आ मैथिलीक मिठास हम सब नहि बिसरी। ⁠⁠⁠⁠