देश-विदेश मे मनाओल गेल चित्रगुप्त पूजनोत्सव आ भरदुतिया

विराटनगर, नवम्बर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

chitragupt-pooja1कार्तिक शुक्ल दुतिया पक्ष सनातन परंपरा सँ मनाओल जायवला पाबनि भरदुतिया आ चित्रगुप्त पूजा देश-विदेश सब तैर काल्हि मंगल दिन १ नवम्बर केँ मनाओल गेल अछि।

बहिन द्वारा भाइ केर नोत लेबाक परंपराक पाबैन भरदुतिया मे गंगा-जमुनाक पानि वृद्धिक समान भाइ केर और्दा बढबाक प्रार्थना करैत अछि, तहिना मृत्युक देवता यमराजक दरबार मे मनुष्य व अन्य जीव केर कर्म अनुरूप फल देबाक विधानक लेखा-जोखा रखनिहार चित्रगुप्त महाराज सँ उत्पन्न कायस्थ पुत्र लोकनिक वर्तमान वंश द्वारा विशेष पूजा-अर्चनाक संग समारोहपूर्वक मनाओल गेल अछि।

chitragupt-pooja3तिनटोलिया, तिनपैनी, बखरी, जामुन गाछी, व विराटनगर केर अन्य छोट-छोट टोल मे पर्यन्त कायस्थ समाजक अग्रसरता मे भक्तजन चित्रगुप्त पूजनोत्सव बहुत धुभधाम सँ मनौलनि। तिनटोलिया मे कायस्थक प्रतिभा शीर्षक मे बच्चा आ युवा सब सांस्कृतिक कार्यक्रम, मिथिला चित्रकला प्रदर्शनी आ विचार गोष्ठी केर आयोजन कएलनि। तहिना तिनपैनी आ बखरी मे सेहो सांस्कृतिक कार्यक्रम मे भजन-कीर्तन, नृत्य आदिक आयोजन कैल गेल।

तिनटोलिया मे चित्रगुप्त समाज कल्याण परिषद् केर युवा समितिक अग्रसरता मे भव्य सांस्कृतिक आयोजन केर उद्घाटन युवा समितिक अध्यक्ष अमलेश कर्णक अध्यक्षता तथा प्रमुख अतिथि पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय केर उप-कुलपति घनश्याम लाल दास द्वारा कैल गेल। एहि अवसरपर उप-कुलपति अपन भाषा, संस्कृति आ मूल्यवान् परंपरा केर संरक्षण हेतु कैल जा रहल प्रयास केँ आरो बढेबाक अपील केलनि। चित्रगुप्त पूजाक दिन डा. पवन कर्ण जे निर्माण कार्यक संयोजन कय रहल छथि हुनका द्वारा एकटा विवाह मंडप निर्माण केर शिलान्यास कैल गेल, तहिना समाजसेवी चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट सुशील कर्ण द्वारा सेहो चित्रगुप्त मन्दिरक निर्माण केर शिलान्यास केलनि।

तिनपैनी मे मैथिली विकास अभियान द्वारा धिया-पुताक प्रतिभा केँ उजागर करबाक लेल आ अपन मिथिलाक गीतनाद केँ संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन करबाक लेल अहोरात्रि सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कैल गेल। एतय हरेक वर्ष चित्रगुप्त महाराजक हाथ मे पूजा कैल कलम केर आक्सन कय ओहि सँ प्राप्त धनराशि सँ समिति केँ आर्थिक सहयोग भेटल। एतय मैथिलीक वरिष्ठ कवि दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी, उद्घोषिका राधा मंडल एवं अन्य समाजसेवी केँ हुनक विशिष्ट योगदान देबाक लेल सम्मानित सेहो कैल गेल छल। बखरी मे सेहो मिथिलाक गीतनाद सहित भजन-संध्याक आयोजन महत्वपूर्ण छल।