बटुकनाथ झा, देवडीहा, जनकपुर। १४ गते कातिक – अक्टूबर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
धनुषा जिल्लाक देवडिहा गाम मे अइ वर्ष सँ काली पुजजनोत्स्व शुरु कैल गेल अछि । सम्पूर्ण ग्रामबासीक सहयोगमे विधि-विधानपूर्वक पूजा समारोह मनायल जा रहल अछि ।
दिपावली सँ एक दिन पहिने सँ शुरु भेल माँ काली पूजा तीन दिन धरि संचालनमे रहत से काली पुजा व्यवस्थापन समिति देवडिहाक अध्यक्ष रमन झा जानकारी देलनि अछि । देवडिहा गामक कुलदेवताक रुपमे रहल माँ दक्षिणकालीक पुजन घरघरमे भऽ रहलाक बादो अई बेर सँ सामूहिक रुपमे पूजा भ रहल अछि ।
लक्ष्मीपुजाक संगे सुरु भेल माँ काली पुजाक पहिल दिन काल्कि कलश भरि कऽ रातिमे पुजन सुरु भेल अछि । माँ कालीक संगे लक्ष्मी, सरस्वती, गणेश तथा महादेवकेर प्रतिमा बनाकय भव्यताक साथ काली पूजा भ रहल अछि । मिथिला मे लोक दीयाबती केर संगहि लक्ष्मी–गणेश ओ तखन काली पूजन करैत छथि।
गाम–गाम काली माय केर प्रतिमा बना पूजन कयल जाइत अछि । जतय काली मंदिर अछि । ओतय एहि दिन फराके माहौल रहैत अछि । बेसी ठाम दीयाबाती सं शुरू भ’ पंचदिवसीय काली पूजनोत्सव आयोजित कयल जाएत अछि ।