मिथिला राज्य लेल जन्तर-मन्तर पर हल्लाबोल भेल

दिल्ली, सितम्बर २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

halla-bol-jantar-mantarमिथिला राज्य वास्ते हल्लाबोल कार्यक्रम शानदार, सफल आ जानदार – रोहित यादव, युवा नेता, अखिल भारतीय मिथिला पार्टी

25 सितम्बर 2016 क् श्री बीरबल यादव केर नेतृत्व मे आयोजित मिथिला राज्य हल्लाबोल रैली सफल, शानदार ओ जानदार रहल।

मंच केर अध्यक्षता वरिष्ठ मिथिलाराज्य आंदोलनी मनोज झा केलैन्ह, मंच संचालन केर भार रोहित यादव पर छल। मंच सँ उपस्थित मैथिल लोकनि अनिल अजनबी, रामसेवक मुखिया, दुनिलाल यादव (सहरसा), श्री भगवत यादव, कमलेश मिश्र, आनंद झा, शरत झा , रंजीत लाल दास, संतोष झा, बीरबल यादव आ मनोज झा संबोधित केलैन्ह। आयोजनक अंत में रामबाबू सिंह अपना स्वरचित मैथिली कविताक गायन केर सँग उपस्थित समस्त मैथिल केँ धन्यवाद ज्ञापन सँ रैलीक समापन कैल गेल ।

कार्यक्रम केर शुरुवात, मंगोलपुरी मे भेल एकटा मैथिल केर दुर्घटना मे भेल मृत्यु (जे कि रैली स्थल पर एबाक लेल आश्वस्त सेहो केने छलाह) पर शोक व्यक्त करैत दू मिनट केर मौन धारण सँ भेल।

ताहि के बाद मिथिलाराज्य सँ जुड़ल मुद्दा पर बहुतो उपरोक्त व्यक्ति सभ चर्चा केलैन्ह। मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहर, ऐतिहासिक धरोहर, आर्थिक ओ शैक्षिक विपन्नता केर सँग सँग आन्दोलन मे सर्वजातीय ओ सर्ववर्गीय भागीदारी पर विस्तार पूर्वक वक्ता सभ चर्चा केलैन्ह।

बीच मे पुनः एकबेर बेनीपट्टी मे भेल बस दुर्घटना मे मृत व्यक्ति सभ लेल दू मिनट के मौन धारण ओ शोक प्रगट कएल गेल।

कैल्ह के रैली मे लगभग 60 सँ बेसी प्रतिशत युवाक भागीदारी, 70 सँ बेसी प्रतिशत नव लोक के भागीदारी आ ओहू सँ महत्वपूर्ण जे 50 प्रतिशत सँ बेसी लोक सहरसा, सीतामढ़ी, मधेपुरा, खगड़िया ओ सुपौल के छलाह जे आइतक के हमरा पछिला चारि बरखक अनुभव मे पहिल बेर देखल। रैली मे पहिल बेर ओहि वर्गक भागीदारी बढ़ि चढ़ि के देख मन हर्षित भेल जे वर्ग आई तक आंदोलन सँ दूर रहला। ई जानकारी युवा नेता रोहित यादव करौलन्हि।

मल्लाह (मुखिया), पासवान, खतबे, यादव, मंडल, शर्माक सँग सँग किछु मैथिल मुसलामनक भागीदारी हमरा सब सँ बेसी आकर्षित केलक। यादव जानकारी देलैन।

ई सफल रैली मुख्य रूप सँ पछिला 3-4 महीनाक मेहनत के देन छी। दिल्लीक बहुत रास जगह पर मैथिल के घरे घर जाकS मिथिला राज्यक मुद्दा सँ अवगत करेनाए अहि रैलिक सफलताक कुञ्जी थिक। तीन सँ चारि हजार लोक तक मुद्दा के पहुचेनाइ आ ताहि में दस सँ पंद्रह प्रतिशत लोकक् उपस्थिति हमरा सभ लेल एकटा सीख आ नव अनुभव रहल जे कतेक लोकक भीर जुटानी लेल कतेक लोक तक मुद्दा पहुचेनाइ जरुरी अछि। – रोहित यादव कहलैन।

एहि आयोजन केर नेतृत्व बीरबल यादव केर साथ मे रंजीत लाल दास, मनोज झा, निगम पार्षद कल्पना झा, भगवत, राम सेवक मुखिया, राजेश मुखिया, दुनिलाल यादव, अमलेश मंडल, अरुण शर्मा, लाल बाबु यादव, शरत झा, कमलेश मिश्र, आनंद झा, सुरेंद्र झा, मुकेश मिश्र, राम बाबू सिंह, हेमन्त झा, विजय यादव तथा समस्त युवा अभियानी जाहि मे मनीष मिश्र, बैजू बावरा, मोहन राज झा, सुनील आर्य, मुकेश मिश्र, संजय मेहता, शत्रुघ्न यादव, रामु मंडल, चंदर यादव, मो. शफीक, राम विलास यादव, अमर यादव ओ अन्य मिथिला प्रेमीजन सब छलाह।