करुणा झा, राजविराज। सितम्बर १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
राजविराज, २५ गते भादव । भौतिक पुर्वाधार, निर्माण तथा यातायात मन्त्री रमेश लेखक वर्तमान सरकार संविधान कार्यान्वयनक महत्वपुर्ण कार्यभार उठाक’ आगा बढबाक बात कहलैन अछि । देशमे राजनीतिक स्थिरता आ विकासक लेल संविधान कार्यान्वयन निर्विकल्प सर्त रहबाक बात कहैत ओ सरकारकेर गतिविधि सेहो ओहि दिशामे आगा बढबाक बात कहलैन अछि ।
शनिदिन सप्तरीक छिन्नमस्ता गाविस स्थित सखडेश्वरी भगवतीक दर्शन कय पत्रकार सबहक सँग बातचीत करैत मन्त्री लेखक भूकम्प, बाढि, पहाड़क पहिरो आदिक कारण भऽ रहल पीडा सँ ऊबारैत जनताकेँ पुनर्स्थापना तथा विकास निर्माणमे सेहो सरकारक ध्यान उच्च प्राथमिकता मे रहबाक जानकारी देलनि।
बतौर मंत्री मधेसक भूभाग मे विकास ताबत संभव नहि होयत जाबत हुलाकी मार्ग केँ सञ्चालनमे नहि आनल जायत। एहि लेल वर्तमान नेपाल सरकारकेर लगानीमे सडक निर्माण कय विकासक मेरुदण्ड तैयार करबाक दाबा केलनि । शुक्रदिन लगभग १९ किलोमिटरके जनकपुर–भिठ्ठामोड सडक आ जनकपुरकेर कदमचोक–तीनकौरिया सडकखण्डकेर शिलान्यास कैल गेल आर सरकारक लगानीमे ६ टा तथा भारत सरकारक सहयोगमे ११ टा आरो सडक खण्ड निर्माण करबाक सहमति दुइ देश बीच होयबाक जानकारी सेहो करौलनि ।
तराई मधेस आ भारतीय सीमासँगे जोडल गेल राजमार्गकेँ ब्यापारीक मार्गक रुपमे निर्माण करबाक तर्क देनिहार मन्त्री लेखक जिल्ला स्थित नेपाली कांग्रेसक नेता-कार्यकर्ता सब संग सेहो भेटघाट केने छलाह ।