फारबिसगंज, अगस्त २८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे सम्पर्क अभियान राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा केर नेतृत्व मे जारी अछि। काल्हि २७ अगस्त सम्पर्क अभियान अररिया जिलाक जोगबनी, फारबिसगंज एवं जिला मुख्यालय अररिया मे संचालित भेल।
वरिष्ठ नागरिक, समाजसेवी, बुद्धिजीवी, राजनीतिकर्मी, छात्र समूह व पंचायत/नगर सेवक सब सँ भेंटघांट करैत अपन स्वराज्य हेतु संकल्प लेबाक अनुरोध हेतु ई सम्पर्क अभियान चलाओल जा रहल अछि। एहि क्रम मे काल्हि फारबिसगंज विधानसभाक पूर्व विधायक लक्ष्मी नारायण मेहता संग भेंटघांट कैल गेल। संगहि पूर्व प्रधानाध्यापक व मैथिली-मिथिला लेल सदा समर्पित मांगन मिश्र संग सेहो सम्पर्क करैत आगामी मिरानिसे राष्ट्रीय अधिवेशन मे सहयोग करबाक निवेदन कैल गेल।
पूर्व विधायक व मैथिली अभियानी द्वय सँ समुचित आश्वासन भेटबाक बात मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सम्पर्क अभियानक सफलता थीक, संगहि आगामी समय प्रखंड, पंचायत व विभिन्न स्तर पर संगठन ठाढ करबाक पैघ उद्देश्य मे सेहो हिनका लोकनिक संङ्गोर सँ सहयोग भेटत, ई जानकारी राजेश झा करौलनि।
तहिना अररिया मे पूर्व लोजपा जिलाध्यक्ष युवा नेतृत्वकर्ता सुनील झा संग भेंटघांट ओ आगामी राष्ट्रीय महाधिवेशन लेल समुचित प्रतिनिधि पठेबाक अनुरोध कैल गेल। सुनील झा सेहो एहि लेल भरपूर सहयोग करबाक वचन देलनि। अररिया जिलाक विभिन्न क्षेत्र सँ सब जाति, सब धर्म आ सब वर्ग केर नेतृत्व केँ मिरानिसे संगठन मे जोड़बाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि।
मिरानिसे सम्पर्क अभियान आइ दोसर दिन पुर्णियां जिलाक विभिन्न स्थान पर जायत।