बिभास चौधरी, मुम्बई। अगस्त २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला युवा परिषद केर तरफ सँ रोहित यादव आम अपील करैत कहलैन अछि जे आमजन लेल काएल जा रहल कुनो प्रयास तखने सफल होइत छैक जखन प्रयास केनिहारक संग आमजन सेहो देथिन्ह। “अखिल भारतीय मिथिला पार्टी” एकटा मिथिलावादी राजनितिक दल अछि जेकरा उप्पर “जन-जागरण के संग संग जन-कल्याण” दुन्नु मुद्दा पर काज करबाक भार छैक। पार्टी अपना दायित्व केँ बुझैत मिथिला राज्यक् मुद्दा पर कैल्ह (समस्तीपुर) सँ हस्ताक्षर अभियानक शुरुआत कय रहल अछि। अहि अभियान सँ सत्ता के संग संग ओहि सब मिथिला राज्य विरोधी तत्व केँ जबाब देबाक कोशिश कएल जेतैक जे सब गुटबाजी कय बेर-बेर ई पुछैत रहला जे किनका चाही मिथिला राज्य आ कतेक लोक केँ चाही मिथिला राज्य। समस्त मैथिल भाई -बहिन, कक्का-काकी सँ नेहोरा जे अहि अभियान केँ सफल बनेबा मे सब कियो सहयोग आ समर्थन करी। मुद्दा सँ जुड़ल प्रत्येक व्यक्ति कम सँ कम अपना आसपास रहनिहार 10 टा मैथिल सँ हस्ताक्षर जरूर कराबी।
अभियान केँ गाम-गाम, नगर-नगर पहुँचेबा मे सहयोग करी। जँ अहाँ सब चाहैत छी जे अभियान अंहाँक गाम मे, अंहाँक आसपास केर इलाका मे सेहो चलय त अप्पन पूरा पताक संग अप्पन मोबाइल नम्बर अवश्य देल जाउ। पार्टीक कार्यकर्ता अभियान के लकय अंहाक गाम/इलाका तक निश्चित रूप सँ पहुँचता। जय मिथिला, जय जय मिथिला!!
विदित अछि जे समस्तीपुर मे अभामिपा केर पदाधिकारी उमेश भारतीक नेतृत्व मे ई हस्ताक्षर अभियान जन-जन धरि चलायल जायत आर वर्तमान राज्य केर उपेक्षा सँ आम जनमानस केँ परिचित करायल जायत। प्रस्तुत हस्ताक्षर पत्र मे एहि उपेक्षाक विरुद्ध जन-जन सँ हस्ताक्षर संकलन करैत भारतक राष्ट्रपति केँ पठेबाक अभियान चलत ई जानकारी राष्ट्रीय महासचिव रत्नेश्वर झा अपन अपडेट मार्फत करौने छथि। शुरुआत जतय समस्तीपुर सँ कैल जायत तहिना एकरा पूरे प्रदेश आ देश मे जतय-जतय मैथिल रहि रहला अछि ओहि सब ठाम सम्पर्क अभियान मार्फत हस्ताक्षर अभियान चलेबाक जानकारी सेहो करौने छथि।