सहरसा में 21 अगस्त केँ होयत दोसर बेर सोसल मीट वार्षिकोत्सव

670

अगस्त 11, 2016, मैथिली जिन्दाबाद।

received_1039454132768460

गत वर्षक भाँति अहु वर्ष फेसबुक पर संचालित सोसल मिडिया केर सहरसा नाम्ना समूह द्वारा 21 अगस्त केँ अपराह्न 1 बजे सँ वार्षिकोत्सव मनायल जेबाक जानकारी संयोजक कुमार रवि शंकर करौलनि अछि।

श्री रवि शंकर कहलनि जे एहि बेर कुल 4 गो विशेष पक्ष संग ई आयोजन राखल गेल अछि।सोसल मिडिया सँ जुड़ल लोक अपन विशेष प्रस्तुतिक संग एक ठाम बैसताह। एहि सत्र में आपसी परिचय आ संछिप्त परिचर्चा होयत। सोसल मिडिया केर महत्व आ प्रभाव सँ ग्रामीण भाग केँ सेहो जोड़ल जेबाक लक्ष्य कोना पूरा होयत, संगहि पंचायती राज में भ्रष्टाचार केर अंत करबाक संयंत्र कोना विकसित हो ताहि पर चर्चा केंद्रित होयत ओ कहलैन ।

पिछला साल जेकाँ अहु बेर दोसर सत्र में मैथिली तथा हिन्दी कवि लोकनि अपन कविता पाठ करताह। तेसर सत्र में मिडियाक सब क्षेत्र इंटरनेट, प्रिंट व् सामाजिक सञ्जाल में उत्कृष्ट योगदान देनिहार केँ सम्मानित कैल जायत। संगहि साहित्य सेवा कएनिहार स्रष्टा केँ सेहो सम्मानित कैल जायत। एकर अलावे रंगारंग सांगीतिक कार्यक्रम से होयत।

अतिथिक रूप में परिकल्पना केर संस्थापक चर्चित ब्लॉगर आ गजलकार रविन्द्र प्रभात रहता।