मिथिला स्टूडेन्ट युनियनद्वारा बाढीपिडित केँ राहत वितरण
– दिनेश रसिया, साउन १५, सप्तरी। मैथिली जिन्दाबाद!!
सप्तरी जिलाक विभिन्न गाम-ठाम पैछला किछु दिनक लगातार केर बर्खा सँ बाढिग्रस्त भेल अछि। किछु दुर्गम गाम पूर्ण सम्पर्कविहीन अवस्था मे चैल जेबाक कारण पेयजल, बच्चाक दूध आ खेबा-पीबाक समान बिना लोक अत्यन्त पीड़ा भोगि रहल जानकारी भेटैत रहल अछि। बाढिक पानि आ धार मे किछु निरीह जीव आ लोक केँ बहि जेबाक दुखद समाचार सेहो ठाम-ठाम सँ भेटल अछि। एहि सब तरहक त्रासदीपूर्ण अवस्था मे मानवीय सहयोगक संग सामाजिक संस्था सब राहत पहुँचेबाक कार्य मे जुटि जेबाक बात किछु नीक आशाक किरण देखबैछ।
मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपालद्वारा सप्तरीक अति विकट आ टापूवत् स्थान गोबरगढा केर बाढि पीड़ित लोक सब लेल खाद्यान्न, पेयजल केर संग ओहि ठामक बाल-बालिका केँ शैक्षिक सामग्री सब सेहो वितरण केलक अछि ।
श्री शारदा नि मा वि गोबरगाढाक प्राङगनमे वितरण कैल गेल राहत सामग्री स्थानीय वासिन्दाक उपस्थिति मे मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपालकेर सदस्य लोकनि अपनहि हाथ सँ विद्यार्थी सबहक हाथ धरि पहुँचेलक।
जम्मा १ सय ७ गोटे विद्यार्थी केँ शैक्षणिक सामग्री उपलब्ध करेबाक जानकारी युनियनकेर सदस्य रितेश मैथिल देलनि । यातायातक साधन नहियो रहैत छात्र संगठनक सदस्य लोकनि अपने माथ आ पीठ पर लादिकय राहत सामग्रीक संग-संग ई शैक्षणिक सामग्री सब गोबरगढा गाम केर धिया-पुता धरि पहुँचेलनि। लगभग २० हजार टकाक शैक्षणिक सामग्री वितरण कैल जेबाक जानकारी रितेश मैथिल देलनि जाहिमे काँपी, कलम, पेन्सिल केर संग-संग खाद्यान्न मे चाउचाउ आ घरेलू उपयोगी समान मे साबुन व औषधि आदिक वितरण कैल गेल।
मिसू नेपाल विज्ञप्ति मार्फत राहत सामग्री उपलब्ध करौनिहार साहित्यकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि तथा स्थानीय युवा सहित विदेशक प्रवास मे रोजगारी समाजसेवी युवा सबहक सहयोग सँ युनियन ई कार्य सम्पन्न करबाक जानकारी करौने अछि ।