Search

विराटनगर मे होयत परिचर्चा गोष्ठी तथा एकल कविता वाचन

paricharcha aa kavi gosthiमैथिली जिन्दाबाद – संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार केर तरफ सँ विराटनगर मे परसू शनि दिन एकटा साहित्यिक कार्यक्रम राखल गेल अछि। महेन्द्र मोरंग आदर्श बहुमुखी केन्द्रीय कैम्पस विराटनगर केर समीक्षालय मे अपराह्न ३ बजे सँ ई कार्यक्रम आयोजित कैल जायत। एहि कार्यक्रमक संपूर्ण विवरण निम्न अछि।

जय मिथिला                      –                                       जय जानकी

मैथिली जिन्दाबाद – संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार

केर प्रस्तुति

परिचर्चा गोष्ठी एवम् एकल मैथिली कविता वाचन कार्यक्रम

समीक्षालय, ममोआब कैम्पस, विराटनगर

तिथिः २३ जुलाई, २०१६ शनि दिन – ८ गते (२०७३ विसं)

समयः ३ बजे सँ ५ बजे

विषयः मैथिलानी राधा मंडल अभिनीत रेडियो कार्यक्रम ‘अपन मिथिला – अपन मैथिली’ पर समीक्षात्मक परिचर्चा

एवं

मैथिली कवि कर्ण संजय द्वारा एकल कविता वाचन कार्यक्रम

परिकल्पना तथा सहयोगः

दहेज मुक्त मिथिला – माँगरूपी दहेज नहि ली नहि दी, बेटा-बेटी केँ समान शिक्षा दैत प्रोत्साहन दी

बी एफएम ९१.२ मेगाहर्ज – प्रत्येक मंगल दिन १० सँ ११ बजे केर समय मे प्रस्तुत कार्यक्रम जाहि मे अपन मिथिला मे भऽ रहल गतिविधि सब पर प्रकाश देनाय, मिथिलाक रूढिवादी परंपरा पर बहस चलाकय नीक केँ स्वीकार केनाय, बेजा केँ बहिस्कार केनाय, मिथिलाक महिला जागरुकताक विषय सब समेटनाय, समाज मे व्याप्त कूरीति पर प्रहार केनाय, विशुद्ध मैथिली गीत-संगीत आ मनोरंजन केर संग सम-सामयिक विषय पर सेहो विचार-विमर्श केनाय। हाले एहि मे एकटा विशिष्ट अतिथि केँ मास मे एक बेर स्टुडियो मे बजाकय साक्षात्कार करैत श्रोता सब केँ अतिथिक विशेष अनुभव व गतिविधि सँ परिचित करेनाय। श्रोतावर्गक अन्य सरोकार केँ ध्यान मे रखैत विभिन्न विषय पर विचार व्यक्त करैत रहब एहि कार्यक्रमक विशेषता थीक।

विदित हो जे ई कार्यक्रम १०म वर्ष मे प्रवेश केलक अछि। जाहि मिथिलाक नारी केँ लोक चौखैट केर अन्दरक आ अंगनावाली – घरक भितरका कार्य करबाक अधिकारी मात्र बुझैत अछि ताहि मिथिलाक एक पढल-लिखल नारी अपन सजगता सँ लाखों मैथिली-भाषी जनमानस लेल कतेक पैघ जागरुकता पसारि रहली अछि, संगहि विराटनगर केर संचारक्षेत्र मे मैथिली प्रति कतेक उदारता रखैत विभिन्न रेडियो द्वारा भिन्न-भिन्न मैथिली कार्यक्रम सब प्रसारण कैल जाएछ, एहि सब पर केन्द्रित परिचर्चा होयत।

सुश्री राधा मंडल अभिनीत अन्य कार्यक्रमक विवरणः

कार्यक्रमः पूर्वाञ्चल चौबटिया (मैथिली)

बी एफएम ९१.२ मेगाहर्ज – प्रत्येक बुध दिन २ बजेक समाचार पछाति ४ बजे धरि

श्रोता सब सँ टेलिफोन पर बातचीत करैत मैथिली-मिथिलाक विषय संग-संग सम-सामयिक विषय पर चर्चा आर मैथिली साहित्य केँ सेवा देनिहार – वा देबाक लेल प्रोत्साहन करबाक उद्देश्य सँ श्रोता लोकनिक लेख-रचना रेडियो द्वारा प्रसारित केनाय, ओहि पर केन्द्रित चर्चा केनाय, संगहि श्रोता लोकनि द्वारा अपन स्वजन्य इष्टमित्र सब लेल शुभकामना आदान-प्रदान करबाक मौका प्रदान केनाय… मैथिली गीत-संगीत सहित

ई ९म वर्ष मे प्रवेश केलक अछि।

श्रोताक प्रतिक्रिया – एहेन कार्यक्रमक मात्रा आरो बढय

कार्यक्रमः घर-संसार (नेपाली)

बी एफएम ९१.२ मेगाहर्ज – प्रत्येक शनि दिन ११ बजे सँ १२ बजे धरि

गृहिणी सब लेल जानकारीमूलक कार्यक्रम – पुराना हिन्दी फिल्मक गीत सहित।

Related Articles