विराटनगर, जुलाई १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
जनक-जानकी केर मिथिलाक दीपक केँ कियो मिझा नहि सकैछ, भले एहि लेल कतबो केहनो कूराजनीति कियैक नहि कय लियय…. एहि उक्ति केँ प्रमाणित करैत अछि नेपालक मिथिलाक युवा अभियानी आ सर्जक-स्रष्टा वर्ग। ई युवा अभियानी सब विद्यालय सँ महाविद्यालय धरिक विद्यार्थी छथि, लेकिन हिनका सब मे अपन मातृभाषा मैथिलीक लेखनीसँ लैत भाषा-साहित्य-संस्कृतिक सेवाभावना गह-गह मे भरल अछि।
एहि सब सर्जक मध्य एक युवा कवि – लेखक – गीतकार – पत्रकार आ विद्यार्थी विद्यानन्द बेदर्दी जिनकर रचित बहुते रास गीत सब विद्यालय मे पढिते रिलीज भऽ चुकल अछि, हालहि हिनकर रचना पर आधारित ‘चहटगर चटनी’ एल्बम सेहो रिलीज भेल छल, आब हिनकर रचना मिथिला राज्य अभियान लेल लिखल गेल अछि आर ओहि गीत केँ स्वर सँ सजौलनि अछि मिथिलाक एक प्रसिद्ध हस्ती गायक ‘हमरे डाला पनपथिया सँ देवतो पितर पुजाएत छै, कहू यौ बाबु तैयो हमर देह ई कियै छुबाइ छै’ गेनिहार रामा मंडल आ नवोदित बहुचर्चित गायक तेजू मैथिल जे अपन मधुर-गान संग ओतबा मधुर वाणी एवम् व्यवहार सँ हालहि संपन्न दुइ-दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सामाजिक अभियन्ता सम्मेलन मे सबहक दिल जीत लेने छलाह – दुनू गायक केर संयुक्त स्वर मे गायल गेल मिथिला राज्य अभियान गीत केर रेकर्डिंग सँ उत्साहित लेखक-रचनाकार-गीतकार विद्यानन्द यादव ‘बेदर्दी’ खूब प्रसन्न छथि आर मैथिली जिन्दाबाद सँ बात करैत ओ कहलैन जे अपन मातृभाषा कतेक धनी आ सम्पन्न अछि से बिसरल इतिहास केँ हम सब फेर सँ स्थापित करब, बस अग्रज स्रष्टा सब सदिखन नीक मार्गदर्शन करैत रहैथ।
उपरोक्त रेकर्डिंग विराटनगर केर स्टुडियो मे सम्पन्न भेल अछि। एहि गीत केर बोल अछि “चलू मिथिला राज्य लऽ के रहबै” आर एहि मे संगीत देलनि अछि शैलेन्द्र विश्वकर्मा। संगीतकार सुप्रतिष्ठित आ सफल मानल जाएत छथि, पहिने सेहो हिनकहि संगीत मे बेदर्दीक बहुत रास कृति केँ लयबद्ध कैल जा चुकल अछि। युवा अभियानी सर्जक लोकनि केँ सदैव सफलता भेटैत रहय यैह शुभकामना मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो अछि।
जय मिथिला – जय जानकी!!

1 Comment
Paragraph writing is also a excitement, if you know then you can write if not it is difficult to write.