मिथिला पर्यटन विकास व प्रवर्धन लेल काठमांडु मे आयोजन

काठमांडु, नेपाल। जून १८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

bhore janakpurमिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक तथा पर्यटकीय सम्भावना आर महत्वकेँ आरो बढेबाक वास्ते आइसँ दुइ वर्ष पहिले जनकपुरधामक  गंगासागरमे महागंगा आरतीक शुभारम्भ भेल छलैक, जे नित्य-निरन्तर प्रत्येक दिनकेँ सांझ मे हजारों श्रदालु आर पर्यटक सबहकक उपस्थितीमे भेल करैत अछि । जल संरक्षण, सरसफाई ( स्वच्छता, संस्कृती प्रवर्धन, सामाजिक परोपकार तथा दीर्घ विकासक अनुपम उदाहरणक रुपमे रहल ई महागंगा आरती, जनकपुरधामक दोसर वार्षिकोत्सव काठमांडुक नेपाल पर्यटन बोर्डक सभा कक्षमे २०७३ अषाढ १ गते मनायल गेल । भोर, अभियानी तथा अनुसन्धानमुलक परोपकारी संस्था, मिथिला पर्यटन अभियान आर सेभ हिसटोरिकल जनकपुरधामक संयुक्त आयोजनमे उक्त कार्यक्रम संपन्न कैल गेल अछि । नेपाल पर्यटन बोर्डक नि. प्रमुख उज्वला दलीक अध्यक्षता तथा नेपाल सरकार, संस्कृती, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक मान्नीय मन्त्री आनन्द पोखरेलक प्रमुख आतिथ्यमे उक्त कार्यक्रम सचांलन भेल छल । कार्यक्रममे पुरातत्व विभागक महानिर्देशक भेष नारायण दहाल, नाटाक अध्यक्ष मधुसुदन आचार्य, युनेस्को नेपालक सह-महासचिव डा. कमलेश्वर सिन्हा, पूर्व राजदुत पि. बि. ठाकुर, नेपाल ललितकला प्रतिष्ठानक प्राज्ञ एस सी सुमन, ओविसि विकास समितीक उप सभापित राम चन्द्र मौर्य, संस्कृतिविद् डा. राम दयाल राकेश, र नेपाल पर्यटन बोर्डको नि. निर्देशक सुनिल शर्माक विषेश उपस्थिती रहल छल । संगहि मिथिला क्षेत्र सहित नेपालक संस्कृति, सम्पदा संरक्षण प्रवर्धन आर पर्यटन विकास तथा प्रवर्धनमे योगदान कय रहला सौ सँ बेसी बुद्धिजिवी, समाजसेवी, कलाकार, व्यापारी, पर्यटनकर्मी, संचारकर्मी, सहयोगी निकाय सबहक सहभागिता उक्त कार्यक्रममे भेल । भोर केर वीर बहादुर महतो, देवेन्द्र राज सिंह, रिना साह, चन्दन यादव, सोनम सिंह आर नागेन्द्र साहक समुह द्वारा एहि कार्यक्रमक तैयारी आर व्यवस्थापन कैल गेल छल । एकटा आम नागरिक सेहो चाहय तऽ नहि करय योग्य किछु नहि छैक, ई उदाहरण महागंगा आरती आर सरसफाई अभियन्ता राम आशिस यादवक पहल आर सबल नेतृत्व स्थापित केलक अछि । जल संरक्षणक उदेश्यक संग सेभ हिस्टोरिकल जनकपुर द्वारा शूरु भेल गंगासागर सफाई अभियान आब गंगा आरतीक रुप लेलक अछि, पुनः धार्मिक तथा सांस्कृतिक आस्थाक केन्द्र जनकपुर मे आब अहु कारण सँ पर्यटक आकर्षित होमय लागल अछि ई बात अभियन्ता यादव द्वारा अपन गरिमामय सन्देश जे कार्यक्रम लेल पठौने छलाह ताहि मे कहल गेल ।

बागमती सफाई महाअभियानक अभियन्ता डा. राजु अधिकारी ‘हाम्रोे जनकपुर हाम्रो दायित्व’ आर ‘हामी पनि सक्छौ’ एहि मूल नाराक संग प्रकृति, संस्कृति आर आरती (धार्मिक आस्था)क विषयमे पेपर प्रस्तुत कएने छलाह । जाहि संस्कृति आ प्रकृति सन्देश दैत हमरा सबकेँ मिलिजुलि कय रहबाक आर सबहक सम्मान देमयवला समाज निर्माणक संग रहय-बसयवला स्थानकेँ  स्वच्छ बनाकय राखबाक प्रेरणा दैत अछि, डा. अधिकारी कहलनि । जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत् करेबाक लेल नोमिनेशन फाइल तैयार करबाक आर यूनेस्को विश्व सम्पदा केन्द्र, फ्रान्समे पेश करबाक प्रक्रिया तत्काल शुरु करबाक लेल जनकपुरबासी सबहक संग समस्त सरोकारवाला सब वृहत् विचार गोष्ठी कार्यक्रम मार्फत व्यक्त कैल जनादेश लिखित प्रतिबद्धता तथा अनुरोध पत्र नेपाल सरकार, संस्कृती, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक मान्नीय मन्त्री आनन्द पोखरेल आर पुरातत्व विभागक महानिर्देशक भेष नारायण दहाल केँ अभियानक तरफ सँ भोरक अध्यक्ष राज कुमार महतो हस्तान्तरण कएलनि । जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत् करेबा वास्ते संचालन कैल गेल हस्ताक्षर अभियान अन्तर्गत स्वैच्छिक रुपमे ५५००० (पच्पन्न हजार) सँ बेसी व्यक्ति सबहक हस्ताक्षर संकलन अभियानक तरफ सँ कैल गेल जे भोर संस्था द्वारा नेपाल सरकार, संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय, पुरातत्व विभागकेँ ४ भाद्र २०७२, शुक्रवारक दिन हस्तान्तरण कैल गेल छल ।

नेपाल सरकार, संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय, पुरातत्व विभागकेँ युनेस्कोक विश्व सम्पदा सुची केन्द्रकेर कार्य विधि अनुरुप जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत् करेबाक नोमिनेशन फाइल तैयार कय युनेस्कोक विश्व सम्पदा सूची केन्द्रमे प्रस्तुत करबाक लिखित प्रतिबद्धता कैल जा चुकल अछि, ई जानकारी पुरातत्व विभागक महानिर्देशक भेष नारायण दहाल उलेख्ख कएलनि । उक्त कार्यक्रममे मिथिला सहित नेपालक पर्यटन विकास आर प्रवर्धनमे उल्लेखनीय योगदान करयवला विभिन्न संस्था तथा व्यक्तित्व सबकेँ मिथिला पर्यटन अभियानक तरफसँ सम्मान कैल गेल । सम्मानित भेनिहार मे हिमालयन पर्यटन म्याग्जिनक अभिषेक अर्याल, मिट प्वाइन्ट ट्राभल्स एण्ड टुरक मनोरन्जन कर्ण, गुड च्वाइस ट्राभल्स, माहाराजा ट्राभल्स एण्ड ट्रेक्र्स तथा नेचर रिट्रिट टुर्स एण्ड ट्राभल्सक सृजना मास्केक नाम शामिल छल।

महागंगा आरती मार्फत जल, स्वच्छता आर संस्कृति संरक्षणक ई अभियान खूबे प्रसंशनीय रहबाक आर एहि मे नेपाल सरकार सेहो आवश्यक सहयोग लेल तैयार रहबाक प्रतिबद्धता मान्नीय मन्त्री पोखरेल द्वारा व्यक्त कैल गेल । संगहि, जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत् करेबाक अभियान एकदम सुन्दर आर देशक गौरवमे वृद्धि कराओत ई विश्वास हुनकदा द्वारा व्यक्त कैल गेल । एहि सन्दर्भमे जनकपुरबासीक तरफसँ नेपाल सरकारक नोमिनेशन फाइल शुरुवात करेबाक लेल हस्तान्तरण कैल गेल पत्रक उल्लेख करैत जल्द सँ जल्द ई प्रक्रिया शुरु करेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करैत मान्नीय मन्त्री जनकपुरबासीक उक्त पत्र पुरातत्व विभागक महानिर्देशक भेष नारायण दहालकेँ हस्तान्तरित कएलनि । मिथिला पर्यटन अभियानक अवधारणा आर हाल धरि कैल गेल कार्यसबहक प्रशंसा करैत नेपाल पर्यटन बोर्डक नि. निर्देशक सुनिल आर्याल एहि सँ देश केँ वांछित नव पर्यटन स्थलक कमी सेहो पूरा होयत, ई मन्तव्यमे उल्लेख कैल गेल । भोरद्वारा सहजीकरण कैल जा रहल मिथिला पर्यटन अभियानमे नेपाल पर्यटन बोर्डक पुर्ण सहयोग रहबाक आर मिथिला पर्यटन अभियानमे सहकार्य करैत आगू बढबाक लेल नेपाल पर्यटन बोर्ड प्रतिबद्ध रहबाक बात सेहो ओ व्यक्त कएलनि । सहयोग आर सद्भावक लेल धन्यवाद ज्ञापन अभियानक तरफ सँ राज कुमार महतो अध्यक्ष, भोर केलनि।