मिसू नेपाल द्वारा मिथिला सांस्कृतिक जनजागरण आरम्भ

लहान, नेपाल। जून ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद। 

msu nepal mirchaiyaमिथिलाक संस्कृति जोगेबाक लेल मिसू (मिथिला स्टुडेन्ट युनियन) नेपाल द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन – रिपोर्ट नरेश चन्द्र बरबरिया

जेठ २८ गते मिथिलाक संस्कृति जोगेबाक ध्येय सँ आइ टाइम्स स्कूल मिर्चैया मे सांस्कृतिक कार्यक्रम सम्पन्न कैल गेल अछि।

मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रममे अपन पहिचानक विशिष्टता केँ झलकाबयवाला विभिन्न मैथिली गीत, संगीत, हास्यब्यङ्य, ड्रामा, कबिता वाचन आदिक भव्य प्रस्तुति कैल गेल। कार्यक्रममे मिथिला स्टुडेन्ट युनियनक युवा, विद्यार्थी अरु आर टाईम्स स्कुलकेर विद्यार्थी अरु सेहो सहभागी रहल छल।

उक्त कार्यक्रमकेर शुरुआत नेपालक राष्ट्रिय गान आर मधेस गान सँ भेल।कार्यक्रममे काठमांडु सँ आयल गायिका अञ्जली पटेल केँ दुसल्ला ओढाकय सम्मान कैल गेलनि, तहिना ज्योति बि.क, सृजना गजमेर, गायत्री सिंह, रितेश मैथिल, तेजु मैथिल, जाबेद अलि, हृदयनारायण यादव, पुजा सिंह सहित स्कूलक छात्र-छात्रा अरुक सहभागिता रहल छल।

दृष्टिविहीन गायक तेजु मैथिल केर विशेष सहभागिता आ प्रस्तुति सँ छात्रा-छात्रा सहित दर्शक दीर्घा मे विशेष प्रभाव पड़ल। हुनकर प्रतिभा, गायन शैली आ स्वर सबहक मन जितयमे सफल भेल। तहिना स्कुलक संगीत शिक्षकक रुपमे हुनका नियुक्ति पत्र दैत सम्मानित सेहो कैल गेलनि।

आगामी दिनमे सेहो मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा विभिन्न स्कुलसबमे पुगिकय एहने कार्यक्रमअरुकेँ निरंतरता दैत लोप होएत जा रहल मिथिला संस्कृति तथा लोकगीत केँ बचाकय राखबाक कार्य कैल जायत, ई बात मिसू नेपाल केर सचिव गायत्री सिंह कहली। एहि कार्यक्रमक संचालन युवा कवि ओ गीतकार विद्यानन्द यादव कएने छलाह।