Search

भारतीय राजदूतावास तथा बीपीकेएफ द्वारा विराटनगर मे ‘कल्चरल नगरि’

146 भ्यूज

विराटनगर, मई २७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

cultural nagariनेपालक ऐतिहासिक नगरी विराटनगर मे भारतीय राजदूतावास एवं बी पी कोइराला इंडिया नेपाल फाउन्डेसन द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम ‘कल्चरल नगरि’ केर भव्य आयोजन आइये होटल हैरिसन पैलेस केर सभागार मे कैल गेल अछि। राजदूतावास केर कल्चरल विंग केर अधिकारी श्रीमती रूबी शर्मा जी केर नेतृत्व तथा फाउन्डेशनक अधिकारी गोविन्द साह जी केर परिकल्पना अनुसार मैथिली, संथाली, नेपाली, हिन्दी भाषा मे गीत-संगीतक संग नृत्य, प्रहसन एवं नाटकक प्रस्तुति स्थानीय कलाकार समूह सब द्वारा प्रस्तुत कैल गेल। कार्यक्रम संयोजन मे मैथिली जिन्दाबाद तथा नेपाल मैथिली चलचित्र संघ द्वारा कला संयोजन रहल। सहभागी कला समूह मे विराटनगर केर सबसँ पुरान संस्था भानु कला केन्द्र केर संग मैथिलजन सांस्कृतिक मंच तथा विराट मैथिल नाट्यकला परिषद् केर कलाकार सब भाग लेलनि। एहि अवसर पर मैथिली, हिन्दी तथा नेपाली भाषाक कविता वाचन सेहो कैल गेल।

भानु कला केन्द्र केर स्थापित कलाकार सब द्वारा नेपालदेशक वर्तमान अवस्थाक पीड़ा आदि केँ शब्द आ भाव मे प्रस्तुत करैत गीत पर नृत्य कैल गेल छल आर एहि नृत्यक अन्त मे राजदूतावास केर मुख्य अधिकारी श्रीमती रूबी शर्मा केँ सम्मानक प्रतीक भेंट करैत अनुपम स्वागत कैल गेल। तहिना, मैथिलीक प्रसिद्ध गायक विरेन्द्र झा द्वारा भैरवि वन्दना सँ कार्यक्रमक शुरुआत भेल। पुन: मैथिलीक दिग्गज गायक रामा मंडल द्वारा एकटा मैथिली तथा एकटा हिन्दी गीत प्रस्तुति दैत श्रोताक मनोरंजन कैल गेल। एहिना बीच-बीच मे हिन्दी, नेपाली आ मैथिली कविता केर वाचन क्रमश: पूजा गुप्ता, करुणा झा, सुमन पोखरेल आ कर्ण संजय द्वारा प्रस्तुत भेल। पुन: झिझिया समान मिथिलाक अत्यन्त प्रसिद्ध पारंपरिक लोकनृत्यक प्रस्तुति भानु कला केन्द्र केर कलाकाल लोकनि देखौलनि।

एहि भानु कला केन्द्र केर तेसर प्रस्तुति संथाल सबहक सतार नाच सेहो दर्शक सब केँ खूब रोमांचित केलक। कार्यक्रमक अन्त मे विराट मैथिल नाट्य कला परिषद् द्वारा राम भजन कामत केर लिखल आ निर्देशित प्रहसन नाटक ‘जुआएल रेबीज’ केर प्रस्तुति तऽ श्रोता सबकेँ हँसैत-हँसैत लोटपोट कय देलक। छुआछुत आ दहेज विरुद्ध संदेशमूलक ई प्रहसन राजदूतावास द्वारा देल गेल विषय अनुरूप तैयार कैल गेल छल, एहि मे प्रस्तुत कलाकार सबहक अभिनय सबहक मोन केँ छूबि गेल आ नाटक मार्फत एकटा सुन्दर संदेश सेहो देल गेल जे आबक जमाना मे छुआछुत आ दहेजक व्यवहार समाज मे कलंकित व्यवहार केर रूप मे देखल जाएत अछि।

दुर्भाग्यवश आइ मौसमक खराबीक कारण तथा विराटनगर मे भोरके पहर मे सांस्कृतिक कार्यक्रम करबाक आदति नहि रहि जेबाक चलते कनेक देरी सँ आरम्भ भेलाक बाद समयक अभाव मे बहुत रास महत्वपूर्ण प्रस्तुति सब छूटि गेल। पिंकी व बैद्यनाथ केर हास्य प्रस्तुति, भगवान् झा जी केर चुटकुला आ बहुत रास कवि लोकनिक कविता जाहि मे शिव नारायण पंडित सिंगल सेहो छलाह ई सब प्रस्तुति नहि दय सकलाह।

कार्यक्रमक समापन करैत श्रीमती रूबी शर्मा जी कलाकार – प्रस्तोता आ संयोजन कएनिहार क्रमश: श्रीमती माया पौड़ेल, रामा मंडल, विरेन्द्र झा, राम भजन कामत तथा प्रवीण नारायण चौधरी केँ दोपटा दैत सम्मानित केलनि। गोविन्द साह जी सबकेँ धन्यवाद ज्ञापन करैत सामूहिक भोज हेतु भोजनालय दिशि आमंत्रित करैत सांस्कृतिक कार्यक्रमक समापन घोषणा कएलनि। एहि तरहें, सब कियो आपस मे एक-दोसर सँ परिचित हेबाक ई एकटा नीक अवसर भारतीय राजदूतावास केर आयोजन आ आमंत्रित संचारकर्मी तथा विशिष्ट व्यक्तित्व सँ संभव भेल जाहि सँ भविष्य मे आरो नीक आयोजन करबाक आ कलाक्षेत्र मे कलाकार सबकेँ प्रोत्साहित करबाक अवसर बनत।

हरि: हर:!!

Related Articles