विश्व स्वास्थ्य संगठन जेनेभा मे मंत्री रामजनम चौधरीक संबोधन

राज कुमार महतो, जेनेभा। मई २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

13295106_1020350824686297_1844687710_nजेनेभा मे विश्व स्वास्थ्य संगठन केर ६९म महासभा मे नेपालक स्वास्थ्य मंत्री रामजनम चौधरी द्वारा महासभा मे विचार प्रस्तुति देल गेल अछि।

राष्ट्र संघ केर मुख्यालय जेनेभा मे विश्व स्वास्थ्य संगठनक ६९म महासभा मे काल्हि जेठ १२ गते नेपाल सरकारक तरफ सँ स्वास्थ्य मंत्री रामजनम चौधरी महासभा केँ सम्बोधन केलनि अछि।

सभा मे अपन विचार रखैत मन्त्री चौधरी विश्व स्वास्थ्य संगठनक वर्तमान महानिर्देशक डाक्टर मार्गरेट चाङ्गक मजबुत प्रतिबद्धता आर सक्षम नेतृत्वक प्रशंसा करैत कहलैन जे वर्तमान नेतृत्वक योगदान सँ स्वास्थ्य क्षेत्र मे नीक-नीक नीतिक संग मानव स्वास्थ्य प्रति जनचेतना जागल अछि, स्वास्थ्य प्रति जनभावना मे साकांक्ष रहबाक एकटा नव उर्जा बढैत देखा रहल अछि। नेपाल द्वारा सहस्राब्दी विकास लक्ष्य मार्फत हासि कैल उल्लेखनिय प्रगतिक बारे मे जानकारी करबैत सहयोग कएनिहार सम्पूर्ण सरोकारवाला सब केँ धन्यवाद देलनि। खास कय टार्गेट‍-४, ५ आर ६ सँ प्राप्त उपलब्धि नेपाल मे माय तथा ५ वर्ष नीचां उमेरक बच्चाक स्वास्थ्य अवस्था मे उलेखनीय प्रगति भेल अछि, ओ जानकारी करौलनि।

नेपाल केर सामाजिक तथा सांस्कृतिक विविधता नेपालक लेल अवसर आर चुनौती दुवो रहबाक तथ्य पर जोर दैत दीर्घकालीन विकास केर लक्ष्य हासिल करबाक लेल एहि विविधता केर अधिकतम प्रयोग आर परिचालन करबाक आवश्यकता रहबाक तथ्य सेहो मन्त्री चौधरी केर सम्बोधन मे उल्लेख छल। संगहि नेपाल मे हाल धरि ब्लैंकेट एप्रोच मे संचालित कार्यक्रम सब सँ सीमित वर्ग केर स्वास्थ्य मे नीक प्रगति भेल मुदा पुस्त-दर-पुस्तसँ पिछड़ल रहल वर्गक लोकक स्वास्थ्य तथा पोषण केर अवस्था मे खास सुधार एखनहु नहि भऽ सकल ताहि तीत सत्य आ यथार्थ केँ ओ प्रस्तुत करैत समाधान वास्ते टेलोर मेड एप्रोच अर्थात् स्थान तथा परिवेश मुताबिक स्वास्थ्य सुधार संबंधी विशिष्ट कार्यक्रम सब तैयार कय ओकरा क्रियान्वयन करबाक आवश्यकता रहल, ओ कहलैन। दक्षिण एशिया आर खासकय नेपाल-भारत बीच खुल्ला सीमाक कारण सेहो किछु स्वास्थ्य चुनौती रहबाक बात कहैत छूतहा (संचारी) रोग केर जोखिम केँ घटेबाक कार्य करब जरुरी अछि ओ ताहि पर जोर देलनि।

नेपाल मे किछुए महीना पहिने घोषित नव संविधान २०७२ स्वास्थ्य केँ आधारभूत मानव अधिकार केर रुप मे स्थापित केलक अछि आर नव स्वास्थ्य नीति २०१४ सेहो समताक सिद्धान्त केर आधार मे गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवा हरेक नागरिक केँ पहुँचेबाक सर्वसुलभ स्वास्थ्य पहुँच केर लक्ष्य लेलक ई बात ओ महासभा केँ जानकारी करौलनि। नेपाल स्वास्थ्य क्षेत्र रणनीति २०१५ – २०२० द्वारा स्वास्थ्य सेवाक पहुँच सँ बाहर रहल समुदाय केँ गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवा मे पहुँच आर उपभोग बढेबाक लेल ओ विशेष जोर देलनि। संगहि स्वास्थ्य सेवाक पहुँच सँ बाहर रहल समुदाय केँ समेटबाक वास्ते कार्यक्रम सब वृहत् रूप मे संचालित करबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि।

प्रभावकारी संघीय संरचना मार्फत समृद्ध नेपाल बनेबाक शुरुआत भेल अछि आर एहि उचित समय मे एकटा दीर्घकालीन विकास केर लक्ष्य सेहो लेल गेल अछि, ओ नेपालक नव रूप पर प्रकाश दैत सभाकेँ जानकारी करौलनि। दीर्घकालीन विकास समावेश भेला सँ नेपाली नागरिक केर स्वास्थ्य मे आरो बेसी सुधार अनबाक लेल आरो बेसी उत्प्रेरणा देल जायत। एहि सन्दर्भ मे स्वास्थ्य सेवाक गुणस्तर बढेबाक लेल नेपालक प्रतिबद्धता दीर्घगामी विकास लक्ष्य केर प्रमुख अंगक रूप मे रहबाक बात सेहो ओ महासभा केँ जानकारी करौलनि।

पैछला वर्षक अत्यन्त विनाशकारी भूकम्प केर त्रासदीपूर्ण स्थिति उपरान्त नेपालक पुनर्निर्माण मे दीर्घकालीन विकास केर लक्ष्यक सिद्धान्तक आधार होएत आगाँ बढबाक बात ओ अपन संबोधन मे रखलनि। विश्व स्वास्थ्य संगठन सहित सम्पूर्ण अन्तर्राष्ट्रीय संघ-संस्था सब केँ नेपाल केँ निरंतर देल जा रहल सहयोग केर वास्ते धन्यवाद दैत ओ अपन संबोधन केँ विराम देलनि।