दरिभंगा, मई २५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
किछु मास पूर्व फिल्म अभिनेता विक्की चौधरी केर गिरफ्तारीक समाचार विभिन्न पत्र-पत्रिका आ मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो प्रकाशित भेल छल। वर्तमान समय जमानत पर जेल सँ बाहर विक्की चौधरी अपन विभिन्न फिल्म निर्माण कार्य करबाक संग-संग कानूनी लड़ाई सेहो लड़ि रहला अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी संग पूर्व परिचिति ओ वार्ता होयबाक आधारक संग हुनकर समाचार लिखबाक समय एकतर्फा जानकारी संप्रेषित हेबाक कारण अपन शिकायत करैत एक पत्र लिखलैन।
हुनक पत्र मुताबिक कहल गेल अछि, “प्रवीण नारायण जी, जतेक कि हम अहाँक लेल सुनने छी, अहाँ मैथिलीप्रेमी एकटा नीक लोक छी, तैँ अहाँ सँ एहेन उम्मीद नहि छल। मैथिली जिन्दाबाद पर जे किछु अहहाँ लिखलहुँ अछि हमरा बारे मे, कि अहाँ ओहि बात सबहक सच्चाई जनैत छी? अगर नहि तऽ अहाँ केँ लिखबाक अधिकार नहि या फेर अहाँ सेहो हमरा बदनाम करबाक लेल सोझाँवला पार्टी सँ पैसा लेलहुँ अछि। एहि बिकाऊ लोकल मिडियाक खबैर पर अहाँक समर्थन सँ हम आहत छी।
सच्चा मैथिल केर समान पहिने एक कलाकार केर मानसिक पीड़ा केँ बुझबाक चाही। जेकरा बिना वजह – बिना कोनो सबूत या गवाह-साक्षीक १२० करोड़ केर चेक चुपके सँ एकाउन्ट मे डालिकय बाउन्स कराओल गेल, आर तऽ आर, हमरा यदि कनेकबो एकर भनक रहैत तऽ हम कहिया न जमानत लऽ लेने रहितहुँ।
विक्की चौधरी केँ एना अपन हृदयक बात सब कहैत देखि स्वाभाविके तौर पर एकटा संवेदना सँ भरल भरपाई देबाक दायित्व मैथिली जिन्दाबाद व संपादक प्रवीण नारायण चौधरी पर अछि। ओ विक्की केँ बुझबैत कहलनि जे फिल्म लाइन मे एहेन विवाद सब आम बात होएत छैक, ताहि सँ हुनका विषय मे निकलल समाचार संदेह प्रसारित केने छल। आब, जखन ओ सच्चाई बयान कए रहला अछि आर बात कानून द्वारा जाँच-पड़ताल कैल जा रहल अछि, न्याय लेल न्यायालय केर अधीन अछि मामिला तखन मैथिली जिन्दाबाद सेहो न्याय भेटय, पीड़ा केकरो नहि भेटय, झूठक हार हो, सत्य केर जीत हो - एहि शुभकामनाक संग ई समाचार एतय प्रकाशित केलक अछि।
संगहि, विक्की चौधरी द्वारा जानकारी ईहो करायल गेल अछि जे हुनकर सकारात्मक कार्य सब निरंतरता मे अछि। शीघ्रे हुनकर नव फिल्म मंगलसूत्र रिलीज होमय जा रहल अछि। सितम्बर मे हिरो बाबु सेहो रिलीज होयत। आर, एहि समय एकटा मैथिली फिल्म शुरु करय जा रहला अछि जेकर एकमात्र उद्देश्य अवार्ड होयत। संगहि पूर्व मे सेहो मुखियाजी फिल्म मे दोसर तहक मुख्य अभिनेताक भूमिका निर्वाह केने छथि विक्की। हिरो तोहर दिवान मे हिनक मुख्य भूमिका अछि। जय श्यामा माय एकटा नीक फिल्म होइतय जँ एहि मे राजनीति नहि कैल जैतय, कहैत छथि विक्की।
एक स्क्रीप्ट राइटर सेहो हिनकर बहुत रास स्क्रीप्ट पर फिल्म बनि चुकल अछि। मुख्य अभिनेताक भूमिका मे ५ टा मैथिली फिल्म मे काज केलनि अछि। हिनकर लिखल गीत केँ अपन आवाज देनिहार मे मिथिलाक प्रसिद्ध गायक कुन्ज बिहारी मिश्र, माधव राय, विकास झा आदि देने छथि। टेलिविजन शो मे सावधान इन्डिया, क्राइम पेट्रोल, कोड रेड मे सेहो काज केने छथि। एक मोडेल केर तौर पर ई बिहार मे रनर अप खिताब जीतबा मे सफल भेलाह। पटना मे अपन प्रोडक्सन हाउस खोललनि अछि जेकर ओपनिंग यैह १ जुन केँ पटना मे होयत। संगहि ओ मैथिली तथा मिथिलाक अभियान मे मैथिली जिन्दाबाद केर हरेक आह्वान मे अपन भरपूर सहयोग दैत रहबाक वचन दैत छथि। संगहि सहयोग तथा आशीर्वाद लेल आकांक्षा प्रकट करैत छथि। मैथिली जिन्दाबाद!!