‘मैथिल सेवा संस्थान’ एगलग्गी सँ बेघर पटोरी गामक लोक लेल बढ़ेलक मदैतक हाथ :-
———————————-
किछुए दिन पहिने दरभंगा जिलाक पटोरी गाम में भयानक एगलग्गीक घटना घटल छल जाहि सँ लगभग 1200 सँ 1500 परिवारक सभ किछु जड़िके खाक भए गेल छल। बेघर परिवार के नहिए रहैक लेल घर आ नहिए खेबाक लेल कुनो अन्न-पैन बाँचलैक। सरकार द्वारा प्रशासनिक मदैत सेहो नहिए के बराबर छैक ऐना में हताश बेघर केर दुःख के बाँटत…?
‘मैथिल सेवा संस्थान’ जे नवयुवक द्वारा गठित संस्था छैक जेकर एकमात्र उद्देश्य मदैत केनाय छैक, चाहे ओ मदैत कुनो आपदा लेल होई या कुनो गंभीर रोगसँ ग्रसित मैथिलक ईलाज लेल होई या कुनो आर्थिक रूपे पिछड़ल नेना-बुटकाक शिक्षा लेल होई, इ संस्थाक संविधान में अंकित एकमात्र उद्देश्य यैह छैक।
‘मैथिल सेवा संस्थान’ केर राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री दुर्गानाथ झा जी सूचित केलनि जे आय तारीख 09, सोमदिन संस्थाक मिथिला प्रभारी श्री गणेश झा जी, डॉ. श्री गौरीशंकर झा जी एवं श्री नितीश आनंद जीक नेतृत्व में पटोरी गामक एगलग्गी सँ बेघर लोकक बीच एकटा छोट-छीन सहयोगक मादे आवश्यक खाद्य सामग्री जाहि में चौड़-दाइल, नीमक इत्यादि बाँटल गेल।
विदित हो जे इ संस्था अहि सँ पहिने बीतल 05 तारीख कए सेहो पैन पीबाक लेल बालटिन आ प्लास्टिकक मग केर वितरण उक्त घटनास्थल पर कए चुकल अछि।
राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री झा आगामी दिवस में ‘मेडिकल कैम्प’ लगेबाक बात सेहो कहलनि चूँकि एगलग्गीक कारणे बहुत रास गंभीर रोग, महामारी बढ़ैक खतरा घटनास्थल पर देखबा में आबि सकैत अछि जाहि केर संक्रमण सँ पहिने मेडिकल कैम्प लगा रोकल जा सकैत अछि।