श्रवण कुमार झा, बोकारो स्टील सिटी। अप्रैल १९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला आदिकाल स विश्वगुरु रहल अछि, झारखंड केर नव निर्माण में मिथिला वासी समाज केर विशेष योगदान रहल अछि, हमर प्रयास अछि जे शीघ्र मैथिली झारखंड केर द्वितीय राजभाषा बनय ! उक्त बात केलैन झारखंड सरकारक भूमि राजस्व आ कला संस्कृति मंत्री अरुण कुमार बाउरी।
विगत 16 अप्रैल 2016क साँझ मिथिला सांस्कृतिक परिषद बोकारो द्वारा आयोजित दु दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्वक उद्घाटन करैत माननीय मन्त्री मिथिलाक गौरव केर बखान केलैन।
पुनः मिथिला अकादमी बोकारो केर चातर सभा द्वारा जय जय भैरवी पर भाव नृत्य प्रस्तुत कएल गेल। युवा संस्कृतिकर्मी किसलय कृष्ण आ मैथिली अभिनेत्री जानबी झा केर सार्थक आ साहित्यिक अंदाज में चलैत उद्घोषणा में चर्चित गायिका ममता ठाकुर द्वारा विद्यापति आ स्नेहलताक गीत सभ प्रस्तुत कय समारोह केँ मैथिलिमय कैल गेल छल। पुनः युवा गायक विकास झा झमकौवा मुदा स्वस्थ सांगीतिक प्रस्तुति सँ दर्शक लोकनिक खूब ताली बटोरलैन। प्रीति मिश्रा मैथिली लोकगीत केर प्रस्तुति सँ मैथिली जिंदाबाद कय देलैन ।
एहि मध्य श्री बुद्धि नाथ झा केर नव काव्य संग्रह ‘गीत निर्झर’ केर लोकार्पण सेहो कएल गेल । ज्ञात हो जे सांप्रदायिक दंगा केर कारणे बोकारोमे कर्फ्यू लागल छल, परन्तु महाकवि विद्यापति केर नाम पर जिला उपायुक्त आयोजन केर स्वीकृति देलैन आ सुसंयोगवश सुधि दर्शक एवं श्रोता केर अपार भीड़ लागि गेल । पहिल सांझक अन्तिम अवसान काल ममता ठाकुर द्वारा प्रस्तुत सामा गीत आ समदाउन सुनि दर्शक आ कलाकार सभक आइंख नोरा गेल छल ।
दोसरा सांझक मुख्य आकर्षण छल परिषदक नाटक प्रस्तुति ‘बिनु सिंदूर अहिबाति’, ग्लोबल गामक परिकल्पना मध्य सामाजिक मान्यता केँ तोड़ैत लिव इन रिलेसनशिप पर विचार करैत ई प्रस्तुति सार्थक रहल ! महासचिव हरि मोहन झा केर धन्यवाद ज्ञापन आ अगिला साल स्वर्ण जयन्ती महोत्सव धूम धाम सँ मनेबाक घोषणा संग कार्यक्रम संपन्न भेल।