मणीष कर्ण, जनकपुर। अप्रैल १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

सात टा गीत रहल सी.डी. एल्बम मे वरिष्ठ गायक एंव संगीतकार सुनिल मल्लिक, नेहा प्रियदर्शनी, ललित कामत आ रन्जना सिंह अपन-अपन सुमधुर स्वर देने छथि। अयोध्यानाथ चौधरी लिखित एंव सुनिल प्रवेश केर संगीत रहल एल्बम जनकपुरक क्याम्पस चौक स्थित निशान्त अडियो भिडियो एण्ड सपोर्ट सिस्टम प्रा.लि. (नवरस) स्टुडियो मे रेकर्डिङ कएल गेल अछि।
कार्यक्रम मे गीत, गजल संग्रह “चली किछु गुनगुना ली” पुस्तक पर समीक्षा सेहो विद्वान् समीक्षक लोकनि द्वारा कएल गेल छल। ने.क.पा. माओवादी नेता एंव साहित्यकार रोशन जनकपुरी, नित्यानन्द मंडल सहित अन्य मान्यगण सभ गजल संग्रहक समीक्षा केने छलथि। ताहिना त्रिभुवन विश्वविद्यालयक मैथिली विभागाध्यक्ष एवं प्रसिद्ध साहित्यकार परमेश्वर कापडि, सद्भावना पार्टीक केन्द्रीय सदस्य लालकिशोर साह एल्बमक सफलताक शुभकामना संदेशरूप अपन मन्तव्य देने छलाह।
एल्बम पर अपन विचार रखैत गायक व संगीतकार सुनिल मल्लिक एल्बमक सभ गीत सब मे मिथिलाक माटि-पानिक सुंगन्ध रहबाक आ बजारमे बढि रहल अश्लील गीत सभक विकृति केँ जडि सऽ हँटेबाक वास्ते ई अनमोल कृति मिलक पत्थर सावित होयत से विश्वास व्यक्त कएलनि। ओ एल्बमक गीत सभ मिथिलाक हर वर्गक लोकमानसक रुचि केँ ध्यानमे राखि बनाओल गेल अछि सेहो कहलैन।