Search

खेल जगत् मे मिथिलाक बेटी जूही पहुँचली शीर्ष पर

534 भ्यूज

मिथिलाक बेटी जूही झा छुबय लगली अंतर्राष्ट्रीय अकास 
– विकास झा, हरिणे, मधुबनी। अप्रैल १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
(हाल हैदराबाद सँ ई रिपोर्ट)
 
juhi jhaमिथिलाक मधुबनी जिला अंतर्गत हरिणे गामक बेटी जूही झा इंदौर मे भ’ रहल एशियन खो-खो चैंपियनशिप मे भारतीय टीमक सक्रिय प्रतिनिधित्व कएलनि अछि । एहि राष्ट्रीय टीम मे मध्यप्रदेश सँ चयनित 18 बर्षक जुही, श्री सुबोध झाक पुत्री आ श्री शोभाकांत झाक पौत्री छथि ।
 
जूही पाँचम वर्ग सँ निरंतर खो-खो खेलैत अहि सँ पहिने महारष्ट्र, हिमाचल प्रदेश, कर्नाटक आ आँध्रप्रदेश मे अपन प्रतिभाक लोहा मनवा चुकल छथि । इंदौरक हैप्पी वंडर्स मैदान मे संपन्न तेसर एशियन चैंपियनशिप मे भारत बांग्लादेश केँ पराजित कय विजयी भेल अछि।
 
लोकसभा अध्यक्ष सुमित्रा महाजन, केंद्रीय मंत्री प्रकाश जावडेकर, राज्य शिक्षा मंत्री पारस जैन, एसियन खो-खो एशोसिएसनक सचिव अहमद चौपाल आ इंडियन ओलम्पिक एशोसिएशनक सचिव राजीव मेहता विजेता टीम केँ पुरस्कृत केलैन ।
 
एखन जूही इंदौर सँ खो-खो फेडरेशन मे प्रशिक्षण सेहो ल’ रहल छथि । एकटा सामान्य परिवार सँ अबैत जूही इंजीनियर बनबाक इक्षुक छली मुदा खो-खो मे विशेष रूचिक कारने आब एकटा खो-खो खिलाड़ीक रूप मे विद्यालय सँ आरम्भ करैत अंतर्राष्ट्रीय स्तर धरि अपन पहचान बना चुकल छथि ।
 
अहि सफलता सँ आह्लादित जूही कहैत छथि जे एक दिन ओ विश्व खो-खो चैंपियनशिप मे भारतक प्रतिनिधित्व करैत देशक नाम रौशन करबाक संग-संग अपन मातृभूमि मिथिलाक गौरव केँ बढौती। ओ एहि सफलताक श्रेय अपन माय श्रीमती रानी झा केँ दैत छथि । जूही कहैत छथि जे परिवार सँ भेटल प्रोत्साहनक बिना ई सब संभव नहि भ’ सकैत छल ।
 
हिनक अग्रज अभिषेक झा सेहो स्पोर्ट अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया केँ तरफ सँ खेलैत छथि । जूहीक ई सफलता देशक संगे समस्त मिथिलाक लेल गौरवक विषय अछि ।

Related Articles