रविन्द्र उदासी, धनुषा। अप्रैल ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
एक दिस गरीबी आ बेरोजगारी मे पिसैत अपन मिथिला मधेश आ दोसर दिस विदेश जाय रोजगारी करबा मे जान पर रहल खतरा – आखिर कतय भेटत शान्ति मैथिल युवा सब केँ?
कतार देशक दोहा मे कार्यरत धनुषा जिलाक कुसमाहा सतोषर केर सबैला नगरपालिका निवासी ज्याबुल हक राइन केर दुखद मृत्युक खबैर सँ देश मर्माहत भेल अछि। नेपालक मिथिला मधेश सँ बेसी संख्या मे विदेश जएबाक परंपरा कहू आ कि फैसन आ कि बाध्यता – आर ओकरा सबकेँ रोजगारी मे बेसीकाल निर्माणकार्य मे मजदूरक काज करबाक लेल भेटैत अछि – एहेन कार्य जाहि मे सदिखन जान पर खतरा बनल रहैत अछि।
एक तऽ नेपालदेशक तापमान आ ओहि गल्फ देशक तापमान मे जमीन-आसमान केर फर्क, एतय प्रचंड गर्मीयो मे ओतेक तापमान नहि रहैत अछि जतेक कि ओहि देश मे सामान्य मौसम मे देखल जाएछ। यानि ५० डिग्री टेम्परेचर ओतुका काजक बेरका सामान्य तापमान होएत अछि। एहेन प्रचंड तापमान मे अपना केँ रिझबैत लोक अपन परिवार लेल रोजी-रोटी कमाएत अछि। कतेको मजदूरक जान तऽ लू लागि गेला सँ चलि जाएत छैक। तहिना कतेको मजदूर केँ ऊँच इमारत (मकान) केर निर्माण कार्य मे सुरक्षाक पेटी मे बान्हिकय ऊपर ऊँचाई पर काज कराओल जाएत अछि। मुदा एहि सुरक्षा मे कनिकबा चूक सँ जान बचायब कठिन भऽ जाएत अछि।
उपरोक्त घटना मे मृतक ज्याबुल दोहाक क्युएमएमसी कम्पनी मे कार्यरत छल। ओ सुरक्षाक पट्टी मे नहि बन्हेबाक कारण सँ २५ तल्ला ऊपर सँ निचाँ खैस पड़ल आर ठामहि पर मरि गेल। एहि दुःखक समाचार सँ ओकर गरीब माय-बाप पर भारी बिपत्तिक पहाड़ टूटि पड़ल अछि। आब के होयत परिवारक सहारा? के पठाओत वृद्ध माय-बाप आ परिजन केँ बाँचबाक आधार? कतय सँ आओत एहि घरक बेटा? हाक्रोश पारिकय कानि-कानि ओकर माता-पिता-परिजन अहुंरिया काटि रहल अछि। यैह दर्दनाक दृश्य ओहि सब परिवारक देखाएछ जतय एहेन दुर्घटनाक समाचार भेटैत अछि। ईश्वर सँ प्रार्थना जे आहत परिवार केँ संबल दैथ एहि अपार दुःखक बेर अपना केँ सम्हारि सकय!
नेपाल सरकार सेहो एहेन दुखद अन्त लेल पीडित परिवार केँ सहयोग उपलब्ध कराबय आ संगहि बीमा केर व्यवस्था आवश्यकत तौर पर करय, मात्र देशक खजाना मे विदेशी मुद्राक कमाइ टा गनला सँ नागरिक मे असुरक्षाक भय व्याप्त होयत, एहि दिशा मे सरकार आ समाज सबहक ध्यान जरुर जेबाक चाही। विदेश मे रोजगारी लेल गेनिहार पहिने एहि सब बातक गारंटी जरुर करय।