“पश्चिमी सर्लाही मे खुलेयाम चीट भऽ रहल।”
रंजित झा, बलरा, सर्लाही चैत्र 24 गते।
एसएलसी परिक्षा मे नक्कल करबाक मामिला मे मिथिला मधेश केर ८ टा जिल्ला बेसिये बदनाम अछि। एकर दुष्परिणाम क्षेत्र आ राष्ट्र दुनु लेल भविष्य मे गम्भीर स्थिती ठार कय सकैत अछि। भविष्य मे सर्टिफिकेट घर मे राखि बेरोजगार बनेवाक स्थिती सेहो सृजित होयबाक अवस्था बनि सकैत अछि। राजर्षि जनक सन विद्वान्, गार्गी सन विदुषी केर जन्म देमयवला ज्ञानभूमि मिथिला केर शिक्षाक वर्तमान स्थिती देखि अपना-आप मे लाजक अनुभूति सेहो होएत अछि। नेपालक सर्लाही जिल्ला केर क्षेत्र नं. ६ स्थित परीक्षा केन्द्र सभ मे खुलेआम तरीका सँ चीट कैल जा रहल अछि। सर्लाही जिल्ला केर बलरा स्थित रामसखी मोहित सिँह जनता उच्च मा. वि. परिक्षा केन्द्र चीट करबाक मामला मे अग्रस्थान मे देखा रहल अछि। एहि विद्यालय केँ पहिल बेर परीक्षा केन्द्र बनाओल गेल अछि।
स्रोतक मुताबिक एहि परीक्षा केन्द्र मे महिला सुरक्षा गार्ड द्वारा महिला परीक्षार्थी सब केँ बिना कोनो चेक जाँच केने परीक्षा भवन मे प्रवेश कराओल जाएत अछि। एहि परीक्षा केन्द्र मे अर्नाहा मा. वि., अचलगढ मा.वि. आर रामनगर बहुअर्वा मा. वि. केर एसएलसी परीक्षार्थी लोकनि जाँच दय रहल अछि।
तहिना दोसर परीक्षा केन्द्र गडहिया मा. वि. मे स्रोत सँ भेटल जानकारी मुताबिक सुरक्षाकर्मी सबकेँ नाम लेल मात्रे राखल गेल अछि। खुलेआम चीट करैत देखलाक बादो सुरक्षा गार्ड मूक दर्शक बनि ठाढ रहैत अछि।
एम्हर रामवन मा. वि. परीक्षा केन्द्र केर स्थिती सेहो ओहने अछि। समग्र मे कहि तऽ एसएलसी परीक्षा आब नाम केर लेल मात्र आयरन गेट समान रहि गेल। नेपाल मे बिगडल राजनितिक अवस्था केर प्रत्यक्ष प्रभाव एहि परीक्षा मे देखल जा रहल अछि। खुलेआम चीट सँ पास भेल परीक्षार्थी देश ओं समाजक लेल भविष्य मे केहन अवस्था लाओत तकर अंदाज लगायब कठिन अछि। देश मे बेरोजगारी सृजना तऽ हेब्बे करत, एहन परीक्षार्थी सर्टिफिकेट घरहि मे टांगि बौआयत ताहि दिस नेपाल सरकार, सम्बधित निकाय संगहि अभिभावक लोकनिक ध्यान जायब जरुरी बुझैछ।