महिला उत्पीड़ण आ हत्याक एकटा आर मामिला सप्तरी सँ

राजविराज, सप्तरी। अप्रैल ६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
सप्तरीक राजविराज सँ विद्यानन्द विक्की केर रिपोर्ट
12946978_994673837290569_1059820779_oसत्र दिनके बच्चा समेत केँ बेवास्ता क’ पति आ सासु–ससूर सब गोटा मिलिक’ पुतौहक हत्या केलक, पीडिताक नैहर पक्ष द्वारा आरोप लगाओल गेल अछि ।
राजविराज मे मंगल दिन मधेशी पत्रकार संघ तथा दजेह मुक्त मिथिला द्वारा बजाओल गेल संयुक्त पत्रकार सम्मेलन मे पीडिताक नैहर परिवार द्वारा ई आरोप सोझाँ आयल अछि ।
 
अपन २० वर्षक बेटी सरस्वती देवी केँ राजविराज–७ निवासी पति करण मेहतर, सासु रानी देवी आ ससुर शिवनारायण मेहतर पर बेटी केँ मट्टितेल छिटिक’ आगि लगाक’ हत्या केलक से बात मृतकक माय भारतक दरभंगा जिल्लाक नउवागढी बेल टोलक मंजु देवी पत्रकार सम्मेलन मे कहलनि ।
 
‘अपना सँगे २० हजार रुपियाँ मांगि रहल तथा रकम नहि देलापर बेटी केँ हत्या केलक पिता अरुण मेहतर बतौलनि । अपनासँगे रकम नहि रहलासँ नहि द’ चुकल तथा विवाहके १ वरिष नहि बितैत बेटीक हत्या भेल बतौलनि ।
 
बेटीके हत्या भेल सम्वन्धमे प्रहरीमे समेत उजुरी देव गेलापर उजुरी नहि लेलक तथा घटना बारे अनुसन्धान भ’रहल प्रहरी बतौलनि हुनक कथन छल । न्यायके गुहार करैत पिता अरुण बेटीके मात्र सत्र दिनके बच्चा रहल वतावैत दोषीउपर कडासँ कडा कारवाही होव परबाक माग समेत पत्रकार सम्मेलनमे केलनि ।
 
गत शनिदिन मध्येराति राजविराज नपा–७ स्थित शान्तिनगरमे सरस्वतिके मट्टितेल छिटिक’ आगि लागि गम्भिर भेल अवस्थामे उपचारके स्थानिय गजेन्द्र नारायण सिंह अञ्चल अस्पतालमे उपचार बाद थप उपचारके लेल विपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रनिष्ठान धरान ल’गेल छल ।
 
उपचारके क्रममे हुनक रविदिन भोर १० बजे मृत्यु भेल मृतकके भिनाजु राजविराज–७ निवासी रविन मेहतर बतौलनि ।