जमशेदपुरमे देखायल मिथिला संस्कृतिक छटा

जमशेदपुर मे द्विदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह संपन्न भेल
रजनीश शेखर, जमशेदपुर । अप्रैल ५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
tata2लौहनगरी जमशेदपुर मे मिथिला सांस्कृतिक परिषदक तत्वावधानमे विगत २ आ ३ अप्रैल २०१६ के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह हर्षोल्लास संग सम्पन्न भेल ।
 
उद्घाटन समारोहक मुख्य अतिथि झारखंड सरकारक मंत्री सरयू राय अपन उद्बोधनमे मैथिली के शीघ्र झारखंड केर दोसर राजभाषाक दर्जा देबाक घोषणा केलनि । एहि सत्रमे नगरक पुलिस अधीक्षक चन्दन झा,राष्ट्रपति पुरस्कार सँ सम्मानित सीमा सुरक्षा बलक अधिकारी अश्विनि झा,परिषदक महासचिव ललन चौधरी,अध्यक्ष लक्ष्मण झा सहित अन्य उपस्थित छलाह,उद्घाटन सत्र केर संचालन केलनि मैथिली विभागाध्यक्ष डा अशोक अविचल ।
 
तकर बाद आरम्भ भेल सांस्कृतिक सत्र । आब उद्घोषणाक जिम्मेदारी छल सार्थक संचालन लेल चर्चित युवा अभियानी किसलय कृष्ण आ अभिनेत्री जानबी झा केर हाथमे । ई दुनू सार्थकता संग उपस्थित जनसमूहके भाषा प्रति सचेत करैत मनोरंजनक बरखाक फुहार परसैत रहलाह । तरंग द्वारा अनिल पतंग लिखित आ पंकज निर्देशित जट जटिन नृत्य नाटिका बेस चर्चित रहल । तहिना शिव कुमार झा आ शंकरनाथक गीति युगलबन्दी मैथिली मंचक गौरवपूर्ण इतिहास के मोन पाड़ि देलक । प्रसिद्ध गायिका रंजना सिंह,प्रिती मिश्रा,मिथिलेश आदि गीत प्रस्तुत क दर्शक केर मोन मोहि लेलनि ।
 
दोसर साँझ कुंजबिहारी मिश्र अपन गायिकीक छटा परसलनि । एहि अवसर पर लक्ष्मीनाथ गोस्वामी केर मैथिली पद्य नामक पोथीक विमोचन सेहो भेल । समारोहक मुख्य आकर्षण छल मिथिला खान पान आ संस्कृति सँ जुड़ल विभिन्न स्टाल जे जमशेदपुर केर गोपाल मैदान के मिथिला हेबाक अनुभूति द रहल छल ।