लहान, सिरहा। मार्च २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
लहान मे आइ मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा होली मिलन तथा शुभकामना आदान प्रदान कार्यक्रम सम्पन्न कैल गेल अछि । हिन्दु धर्मावलम्बीक महान पर्व होलीक अवसर पर होली मिलन तथा अपन सँस्कृति जोगेबाक लेल अदौकाल सँ गायल जा रहल ‘जोगीरा-गीत’ सब गेबाक कार्यक्रम केर संगहि कवि सम्मेलन सेहो लहानक उद्योग बाणिज्य संघ भवन मे आयोजन कएल जेबाक जानकारी संस्थाका अध्यक्ष दिनेश रसिया देलनि अछि ।
दर्जनो व्यक्ति केर उपस्थिति मे उक्त कार्यक्रम केर प्रमुख अतिथि प्रसिद्ध मैथिली अभिनेत्री तथा नाटककर्मी प्रियंका झा छलीह । ओ अपन संबोधन मे मिथिला स्टूडेन्ट युनियन नेपाल द्वारा कैल जा रहल कार्यक सराहना करैत कहली जे एहि मे आरो मिथिलाक युवा सब सक्रियतापूर्वक कार्य करैत अपन अतीतक मूल्य व परंपराक रक्षा करैथ, संगहि मिथिला समान सनातन पहिचान केँ संरक्षित करैथ। बाहिरक संस्कृति सँ मिथिलाक संस्कृति बहुत बेसी पियरगर अछि आर एकरा बचेबाक लेल एक बेर फेर सँ जनजागरणक आवश्यकता अछि – सुश्री झा उपस्थित भीड़ केँ संबोधित करैत कहली।
कार्यक्रम मे स्थानीय युवा मैथिली कवि लोकनि मे नारायण मधुशाला, रितेश मैथिल, गजेन्द्र गजुर, गायत्री सिंह, हृदय सुमन, अर्जुनप्रसाद गुप्ता दर्दिला, दिनेश रसिया सहित अन्यान्य कवि लोकनि द्वारा अपन कविताक वाचन कैल गेल । संगहि विभिन्न मैथिली गीत, संगीत, तेजु मैथिल केर स्वर मे गायल गेल आर पूजा सिंह द्वारा आकर्षक नृत्य सेहो प्रस्तुत कैल गेल। रितेश मैथिल केर कमेडी तऽ ओतय उपस्थित सम्पूर्ण जनमानस केँ हँसैत-हँसैत लोटपोट कय देने छल।
कार्यक्रमक अन्त मे सम्पूर्ण सहभागी लोकनि नेपाल नाटक तथा संगीत प्रज्ञा प्रतिठान काठमांडु द्वारा आयोजित डबली नाटकीय कार्यक्रम मे सहभागिता देलनि । उक्त कार्यक्रम मे सेहो तेजु मैथिलक स्वर मे किछु प्रस्तुति राखल जेबाक जानकारी नरेश बरबरिया करौलनि अछि। तेजू केर सुमधुर स्वर श्रोता लोकनि पर जादू करबा समान प्रतीत भेल ओ कहलैन ।
छात्र सब द्वारा नाटकक मंच पर सेहो जोगीरा सब गायल गेल छल जेकर प्रशंसा प्राज्ञ रमेश रञ्जन सेहो मुक्तकंठ सँ करैत स्थानीय युवा सबहक जागरुकता सँ विकास होयबाक विश्वास प्रकट केलनि ।

1 Comment
Dhanyabaad! maithilijindabaad.com paribar aa prabin sir ke