Search

होली पर रंगारंग आयोजन सउदी अरब मेः मिथिला एकता समाज

रियाध, सउदी अरब। मार्च १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila ekta samaj holiमिथिला एकता समाज – सउदी अरब द्वारा एहि वर्ष होलीक शुभ अवसर पर सेहो शुभकामना आदान-प्रदान करबाक लेल एकटा समारोह केर आयोजन करबाक नियार कैल गेल अछि। २५ मार्च केँ रियाध एक्जिट-१८ – पूर्व कार्यक्रम स्थल – पेट्रोल पम्प केर पाछू मे विभिन्न प्रतिभावान् कलाकार लोकनि द्वारा सामूहिक रंगारंग सांस्कृतिक प्रस्तुतिक संग ई आयोजन कैल जायत से जानकारी मिथिला एकता समाज – सउदी अरब केर अध्यक्ष सुनील कुमार गुप्ता करौलनि अछि।

विदित हो जे सउदी अरब मे कार्यरत हजारों मिथिलावासी एवं नेपालक विभिन्न भाग सँ ओतय रहि रहल लोक अपन मूल संस्कृति सँ जुड़ल रहय ताहि लेल समय-समय पर अपन संस्कृति सँ जुड़ल पाबैन-तिहार व अन्य साहित्यिक महत्वक कार्यक्रम सब आयोजित करैत आबि रहल अछि। एतय पहिनहु छैठ केर आयोजन, अष्टयाम कीर्तन एवं अन्य सामूहिक मिलन केर कार्यक्रम सब एहि संस्था द्वारा कैल जाएत रहल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी केँ सेहो एहि कार्यक्रम मे सहभागिता लेल विशेष आमंत्रण पठाओल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद परिवार केर तरफ सँ आयोजनकर्ता केँ धन्यवादक संग कार्यक्रमक सफलता लेल शुभकामना अछि।

Related Articles