Search

आइ सँ शुरु भेल मिथिला मध्यमा परिक्रमा जनकपुर सँ

176 भ्यूज

ऐतिहासिक मिथिला मध्यमा परिक्रमा आइ सँ शुरु

– मणीष कर्ण, जनकपुरधाम। मार्च ८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila parikramaमिथिलाक ऐतिहासिक एवं धार्मिक आस्थाक रुप मे रहल मिथिला मध्यमा परिक्रमा आइ सँ सुरु भऽ रहल अछि। धनुषाक ठेरा कचुरी गामक मठ सँ मिथिला बिहारीक डोला सँग शुरु भेल आजुक राति जनकपुरधाम मे विश्राम करत। १५ दिन धरिक यात्रा केर ई परिक्रमा मिथिलाञ्चलक सब सऽ पैघ ऐतिहासिक आ धार्मिक यात्रा मानल जाएत अछि।

mithila parikrama1फागुुन शुक्ल चतुर्दशी (परिवा) तिथिक दिन भोरे कचुरी सऽ मिथिला बिहारीक डोलाक सँग शुरु भेल परिक्रमा दुपहरियामे जनकपुरक रत्नसागर मन्दिर मे पहुँचैत अछि। परिक्रमा में सहभागी तीर्थयात्री लोकनि रत्नसागर मन्दिर मे दिनका भोजन पश्चात् किछु समय ओत्तहि विश्राम कय जानकी मंदिर मे दर्शन करैत रात्रि विश्रामक लेल कुवा स्थित हनुमाननगर पहुँचैत छथि। राति भरि विश्राम उपरान्त वृहस्पति दिन ओहि पार मिथिलाक कल्याणेश्वर महादेव मन्दिर, कलनाक लेल प्रस्थान करैत अछि। तहिना जनकपुरक अग्नि कुण्ड सऽ किशोरी जीक डोला सेहो राति मे हनुमाननगर मे विश्राम करैत अछि आ दुनु डोला एक्कहि संग दिनक परिक्रमा करैत अछि।

Related Articles