शहीद दुर्गानन्द झा केँ राज्य द्वारा शहीद घोषणा कैल गेल

अन्तत: दुर्गानन्द झा सहिद घोषित भेलाह

रिपोर्टः मनीष कर्ण, जनकपुरधाम, नेपाल। मार्च ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

shahid durganand jha1नेपाल सरकारक मन्त्री परिषद्  केर बैठक द्वारा काल्हि नेपाल मे गणतन्त्रक स्थापना लेल अप्पन जान केँ आहुति देनिहार मधेसक योद्धा दुर्गानन्द झाक नाम केँ शहीद सभ मे संगहि २२ आरो गोटेक नाम जोड़ल गेल अछि। जाहि अन्तर्गत धनुषाक दुर्गानन्द झा, सिरहाक सुर्यनाथ यादव आ झापाक विरेन्द्र राजवंशी लगायतक नाम रहल अछि।

तहिना भीमदत्त (डडेल्धुरा), रत्नबहादुर बान्तवा (इलाम), ॠषि देवकोटा (सिन्धुली), क्याप्टेन यज्ञबहादुर थापा (ओखलढुंगा) समेत ठगीनाथ दहाल, खगेन्द्रराज दहाल, गोकर्णबहादुर कार्की आ धनकुटाक भीमनरायण श्रेष्ठ केँ सेहो शहीद घोषणा कैल गेल अछि। हरि नेपाल (ताप्लेजुङ ), सङखुवासभाक चन्द्रबहादुर पुरी आ गुल्मीक समशेर बहादुर खड्गी सेहो एहि सूची मे शहीदक रूप मे घोषित भेला अछि।

ज्ञातव्य हो जे धनुषा जिल्लाक जटही रहनिहार दुर्गानन्द झा तत्कालीन राजा महेन्द्र ऊपर जनकपुरक जानकी मन्दिर मे २०१८ वि.सं. साल माघ १९गते हुनका द्वारा प्रयोग मे आनल गेल गाडी पर बम प्रहार केने छलाह । आ वि.सं.२०२० साल १५ गते दुर्गानन्द झा केँ फाँसीक सजाय सरकार द्वारा देल गेल छल।

मैथिली जिन्दाबाद पर हालहि शहीद दुर्गानन्द झा सम्बन्धित दुइ महत्वपूर्ण समाचार केर संप्रेषण सेहो कैल गेल छल आर हुनका शहीद घोषित नहि कैल जेबाक बात केर आलोचना सेहो कैल गेल रहय। एहि समाचार सँ मैथिली जिन्दाबाद परिवार नेपाल सरकार प्रति आभार प्रकट करबाक संग-संग संपूर्ण मधेस व नेपाल केर जनमानस केँ न्याय होयबा पर बधाई ज्ञापन करैत अछि।